• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

August 24, 2015
in समाचार
A A
3
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Devanand Sur Samadपटना । मिथिला क पारंपरिक लोक गीत स शनिदिन पटना क कालीदास रंगालय सराबोर रहल। सोहर, नचारी स ल कए कजरी तक क आनंद श्रोता उठौलथि। मिथिला उत्‍थान संघ क बैनर तर आयोजित सुर समाद कार्यक्रम क शुरुआत गायक देवानंद झा क मधुर अावाज स भेल। देवानंद क आवाज क मधुरता एतबा छल जे हुनक सबटा प्रस्‍तुति एक स बढि कए एक रहल। ओ अपन पहिल प्रस्‍तुति भगवती गीत स कलथि आ बाद में सोहर आ नचारी गाबि श्रोता कए मंत्रमुग्‍ध क देलथि। देवानंद क बाद बिहार कला रत्‍न स सम्‍मानित गायिका रंजना झा मंच पर एलथि आ अपन टूटा प्रस्‍तुति स लोक कए थोपरी बजबा लेल बाध्‍य करैत रहलीह। पिया मोर बालक ….क प्रस्‍तुतिक बीच बीच मे सभागार थोपरी क आवाज स गुंजैत रहल। खास इ रहल जे थोपरी सहो लय मे छल आ एकटा वादययंत्र बुझा रहल छल। रंजना झाक आवाज क लोज अदभुत शमां बांधि देलक। कोनो मंदिर मे गौनिहारि कोनो साध्‍वी जेकां हुनक प्रस्‍तुति लागल। गैंगस आफ बासेपुर फेम रेखा झा क उकटा प्रस्‍तुति पेटी क कुंजी हेरा गैलेय..सराहनीय रहल। हुनक आवाज साधल आ मिठहर अछि। कार्यक्रम क समापन देवानंद झा एकटा उदासी गीत आ एकटा महादेव वंदना गाबि केलथि। कुल मिला कए कार्यक्रम सुरमय रहल आ लोक गीत क विभिन्‍न विधा स अवगत करेबा मे सफल रहल। हम त मैथिली मे शपथ खेने छी : रमण मिथिला उत्‍थान संघ क बैनर तर आयोजित सुर समाद कार्यक्रम में बजैत बिहार क कला व संस्‍कृति मंत्री राम लखन राम रमण कहला जे ओ त मैथिली मे शपथ खेने छथि। ओ कहला जे जेना ओ मुखिया स ल कए मंत्री पद तक पर जखन ओ नियुक्‍त भेला त शपथ मैथिली मे लेलथि, तहिना पटना क मैथिल सब सेहो शपथ खेने छथि जे कोनो कार्यक्रम कए आयोजनक कए कार्यक्रम मे शामिल नहि भ हतोत्‍साहित करब। रमन कहला जे पटना मे एकटा कचोट रहैत अछि जे मैथिली कार्यक्रम मे सभागार खाली रहैत अछि जखन कि आन ठाम एहन कार्यक्रम मे भीड बेसम्‍हार भ जाइत अछि। मंत्री कहला जे लोक मिथिला राज्‍यक मांग करैत छथि, मुदा एहन एकजुटता स कोन लडाई जीतल जा सकैत अछि। श्री रमन कहला जे सरकार मैथिली लेल बहुत किछु केलक अछि, मुदा एकजुटता एहि रहला क घाटा मैथिली उठा रहल अछि। पटना क मैथिल समाज कए अपन व्‍यवहारक समीक्षा करबाक चाही। श्री रमन कहला जे कला आ संस्‍कृति क संग संग ओ युवा आ खेल मंत्री सेहो छथि। ओ कहला जे सरकार अगिला किछु दिन मे 100टा स्‍टेडियम क शिलान्‍यास करत। राज्‍य मे खेल आ कला क विकास लेल बहुत किछु करबाक छै। रमन कहला जे सभागार मे बैसल लोक इ शपथ लथि जे कम स कम दू गोट मैथिल क बीचक समाद मैथिली मे करि आ नैना भुटुका कए मैथिली मे गप करबाक आदत लगाबी। एहि अवसर पर बिहार दूरदर्शन क उप निदेशक पीएन सिंह सेहो दर्शक क कमी कए रेखांकित केलथि आ एतबा सुंदर कार्यक्रम मे दर्शक क अभाव पर दुख प्रकट केलथि। कार्यक्रम मे पूर्व विधायक संजीव कुमार झा सेहो उपस्थित छलाह। कार्यक्रम करीब तीन घंटा चलल आ मंत्री शुरु स अंत धरि बैसल रहलाह। कार्यक्रम क संचालय प्रसिद्ध गीतकार सुधीर झा केलथि जखन कि स्‍वागत परमानंद झा केलथि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
Share3TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मिथिलाक विकास लेल कामेश्वर सिंह क विजन बुझब जरुरी : पांडेय

तीर क बाट तकैत तिरहुत मे छल 127 प्रजाति क माछ

2500 मे आब हेलीकॉप्टर स सैर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि