• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अमिताभक पाहुन बनबाक मायने

August 5, 2011
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

बिहार क कईटा रंग अछि जाहि मे एकटा रंग ओकर कलाप्रेम सेहो अछि। जे एकर छवि कए रंगीन बनबैत अछि। पिछला किछु साल स बिहारक एहि रंग मे कमी आबि गेल छल। संगीतक मधुर रस हरा गेल छल। कलाकार बिहार एबा स कतरा रहल छलाह। सुरक्षा आ असभ्‍य व्‍यवहार क नाम पर एहि रंग कए बदरंग करबा मे कियो पाछु नहि छल। मुदा समय सब दिन एक रंग नहि रहैत अछि। आई पटना एक बेर फेर आरोह आ अवरोह मे डूबल अछि। एक दिस सिनेमा जगतक सबस पैघ चेहरा अमिताभ बच्‍चन पटनाक पाहुन बनल छथि त दोसर दिस शास्‍त्रीय संगीत क दिग्‍गज कलाकार सेहो लोक कए अपन संगीत आ गायन स सराबोर कए रहल छथि। कलाप्रेमी अपन कलाकारक झलक मात्र देखबा लेल सडक पर पांत मे ठार अछि। सवाल अछि इ बदलाव कोना भेल। लोक पर कोनो जादू असर नहि केलक अछि। बिहारक जनता मात्र ओ छवि स बाहर आबि गेलथि जे हुनका पर एक प्रकार स थोपल गेल छल। बिहारक कला प्रेम जगजाहिर अछि। एहन मे कलाकार स दूरी जनता आ कलाकार दूनू लेल दुखद छल। पिछला किछु साल मे इ दूरी एतबा बढि चुकल छल जे पैघ कलाकार क कार्यक्रम सूची मे बिहारक चर्च तक बंद भ गेल छल। लाख कोशिशक बावजूद पैघ कलाकार बिहार एबा स मना करि दैत दलाह। हाल मे सिनेमा जगतक चर्चित नाम सलमान खान बिहार एबा स एहि लेल मना करि देलथि जे हुनका अपन सुरक्षा पर संदेह छल।
थियेटर क अभिनेत्री क पैर देखि प्रणाम करिनिहार हिरामन सन बिहारी चरित्र कए हिंदी सिनेमा एतबा असभ्‍य बना देलक जे ओ परदा पर अपन कनिया-बेटी तक कए बेचवा लेल तैयार भ चुकल छल। हिरामन कए बच्‍चू यादव बनबा मे समय लागल आ एहि दूनू किरदारक अलावा सेहो बहुत रास किरदार पैदा भेल जे बिहारी क एकटा असभ्‍य छवि कए समाज मे स्‍थापित केलक। जाहि मे अमिताभक योगदान सेहो उल्‍लेखित अछि। इ अलग गप अछि जे एकटा कलाकार लेल अभिनय आ संवाद ओकर निजी मत नहि होइत अछि, तखनो अमिताभ इकलौता कलाकार छथि जे बिहारक गलत छवि परदा पर रखबा लेल क्षमा तक मंगने छथि। ताहि लेल हुनक बिहार क पाहुन बनबाक खास मायने सेहो अछि। बिहार स कतरा रहल कलाकारक बीच बच्‍चन परिवार स जूनियर बच्‍चन बिहार आबि एहि धारणा कए खंडित करबाक पहिल प्रयास केलथि जे बिहार विहार योग्‍य अछि। अपन एक दिनक कार्यक्रम कए ओ दू दिन तक बढा लोक कए इ संदेश सेहो देलथि जे राति मे रहब सेहो सुरक्षित अछि। मुदा एहि ठाम सवाल जूनियर क छल। अभि एखन बिहार क चरित्र पर लगाउल गेल एहि दाग कए मिटेबा लेल ओतबा समर्थ नहि भ सकला अछि, ताहि लेल बिगबी क एहि यात्रा क मायने अलग भ जाइत अछि। अमिताभ क दू दिन बिहार मे रहब केवल सलमान खान सन कलाकार लेल नहि बल्कि बिहार क प्रति गलत धारणा रखनिहार सब गोटे लेल एकटा ठोस संकेत अछि जे बिहार विहार योग्‍य अछि। बाजार क भाषा मे बिग बी एहि राज्य क ब्रांड अम्बेसडर (हित-प्रवर्तक) विधिवत बनथि बा नहि बनथि मुदा हुनकर बिहार दौरा अपना आप मे बिहार क ब्रांडिंग करि सकैत अछि। बिहार क प्रति हुनकर ताजा अनुभव प्रदेश लेल कई प्रकार स सहायक भ सकैत अछि। ओ जाहि रूप मे ट्वीटर सन आधुनिक माध्यम पर बदलैत बिहार स भेटल खुशगवार अनुभव क जिक्र केलथि अछि ओ एकर एकटा नमूना अछि। एतबे नहि ओ अपन ब्लॉग पर सेहो लिखलथि अछि जे हम सिनेपोलिस गेलहुं आ एकटा प्रेस सम्मेलन मे शामिल भेलहुं। इ प्रेस सम्मेलन बहुत सभ्य आ अनुशासनात्मक तरीका स संपन्न भेल। हमरा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो बड सरल आ विनम्र व्यक्ति लगलाह। अमिताभ क इ गप परदा पर स मन मे उतरल बिहारी चरित्र बच्‍चू यादव कए खत्‍म करबा मे सहायक बनत आ एक फेर लोकक मन मे हिरामन स्‍थापित होएत। अमिताभ एकटा एहन शिखर व्यक्तित्व भ चुकल छथि जिनका स्पर्श मात्र स ककरो छवि बदलि सकैत अछि। हुनक एहि यात्रा क अनुभव भ सकैत अछि पैघ फैसला करनिहार सक्षम किछु लोक कए हुनकर नजरि स बिहार कए देखबा या रुचि लेबा मे सहायक बने। मुदा एतबा स जरूर जे बिहार कए असुरक्षित आ असभ्‍य कहि कए आब नजरअंदाज नहि कैल जा सकैत अछि।

Tags: अमिताभआरक्षणपटनाबिहारसिनेमा

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

सब जिला स पटना लेल चलत एसी बस

Esamaad Epaper Website

बिहार मे टोल रोड बनाउत निजी कंपनी

Esamaad Epaper Website

एंड्रॉयड ऑपरेटिंग सिस्टम स होएत सडकक निगरानी

Comments 2

  1. esenjha says:
    14 years ago

    sampaadkeeya bahut sateek lagal .dhanyabaad

    Reply
  2. vineet Jha says:
    14 years ago

    kekro chhavi 1 ya 2 ta lokak prayaas se nai neek athawa kharaab hoit chhaik. sammilit praayasak aavashyakta chhaik.. bihar Neek hoyat aasha nahi poorna vishwaas aichh… Ati sundar sampaadkeeya….. Dhanyavaad.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि