• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

‘बिहारी’ क्रिकेटर्स आ बिहार मे क्रिकेट

April 23, 2014
in खेल, विचार
A A

BhartenduDasबिहार मे क्रिकेट एक दशक स बेसी समय स मैदान स बाहर अछि। संघ जतए कोर्ट में सक्रिय अछि ओतहि खिलाड़ी राजनीतिक मैदान में। एक दिस श्रीनिवासन मामला मे बिहार क्रिकेट संघक सक्रियता देखबा योग्‍य अछि त दोसर दिस दरभंगा स क्रिकेटर कीर्ति आजाद विश्‍वकप विजेता बनि वोट मांगि रहल छथि। आइ कोर्ट में बिहार क्रिकेट संघ क आवाज सुनबा में भेट रहल अछि, मुदा मैदान मे एकर कोनो चर्च नहि अछि। क्रिकेटर क रूप में कीर्ति झा वोट मांगी रहल छथि, मुदा तारिक उर रहमान क दरभंगा मे क्रिकेट कोनो चुनावी मुद्दा नहि अछि। एहन में इ जिज्ञासा हमरा सबहक बीच स्‍वत: उत्‍पन्‍न भ गेल जे आखिर बिहार में क्रिकेट क इतिहास केहन अछि। बिहार क्रिकेट संघ मे बिहारी खिलाड़ी क केहन भूमिका रहल। दरभंगा मे क्रिकेट क पहचान केकरा स अछि। किछु एहने सवालक उत्‍तर द रहल अछि क्रिकेट प्रेमी आ इसमाद ग्रुप क मेंटर सदस्‍य भारतेंदु दास क इ आलेख – समदिया

बिहार में क्रिकेट क इतिहास 1936 स अछि। 1936 स बिहार एकटा टीम क रूप मे प्रथम श्रेणी क्रिकेट खेलेनाइ शुरू केलक। मुदा बिहारक टीम मे बिहार क ‘मूल निवासी’ शामिल नहि छलाह। .. आइ कोनो क्रिकेट क जानकार स पूछला पर इ उत्‍तर भेटब कठिन अछि जे 1936 स 1974 क बीच कोनो बिहारी मूल क एहन खिलाड़ी नाम बता दथि जे बिहार क टीम क सदस्‍य होइथि। कह 11टा खिलाडी क टीम मे बिहारी लेल एकटा जगह नहि छल? …. एहन स्थिति क पाछु बिहारी मे बिहारी हेबाक गौरव आ आत्म सम्मान क अभाव प्रमुख कारण रहल। आन राज्य मे एहन स्थिति नहि छल।

इतिहास कहैत अछि जे पहिल बिहारी क्रिकेटर श्यामलाल सिन्हा भेलाह जे 1950 क दशक मे टीम मे असगर बिहारीमूलक छलाह। सिन्‍हा 17 मैच मे कुल 21टा विकेट लेलथि। हुनकर बाद एक या दूटा मैच खेलेबाक सौभाग्‍य के प्रसाद, आर दयाल आ इसरार अली सन किछु बिहारी मूलक खिलाड़ी कए जरूर भेटल। मुदा कुल मिलाकए 50 आ 60 क दशक मे बिहार क टीम मे स्थानीय बंगाली आ एंग्लो इंडियंस क कब्‍जा छल। 60 क दशक क उत्तरार्ध स बिहार क टीम मे दिल्ली, यूपी, एतबा धरि जे गुजरात क खिलाड़ी तक शामिल भ गेलाह। दलजीत सिंह, के मित्तर, रमेश सक्सेना, ए शुक्ला, एस के कपूर, जी चौहान आदि नाम लेल जा सकैत अछि। बिहारी मूलक खिलाडी लेल बिहार टीम क 11 स्थान मे स एकटा स्थान नहि बनाउल जा सकल। 1970 क दशक मे सेहो स्थिति एहने रहल, मुदा बिहार मूलक दूटा खिलाड़ी टीम मे स्थान बनेबा मे सफल रहलाह। शेखर सिन्हा (42 मैच) आ आशिष सिन्हा (14 मैच)। एक अन्य खिलाड़ी अजय झा, जे बहुत नीक तेज गेंदबाज छलाह मुदा किछु मैच बिहार टीम स खेलेलाक बाद ओ सर्विसेस क टीम मे शामिल भ गेलाह। ओ अपन पूरा कॅरियर मे 52टा मैच मे कुल 159टा विकेट लेने छथि। देखल जाय त बिहार मूलक पहिल खिलाड़ी जे अंतरराष्‍ट्रीय स्‍तर पर नाम केलथि ओ सबा करीम छथि। ओ एकटा ‘चाइल्ड प्रोडीजी’ भेलाह आ 15 वर्ष क आयु मे बिहार क टीम मे आबि गेलाह। ओना इ सेहो बाद मे बंगाल टीम मे शामिल भ गेलाह। इ अपन शानदार प्रथम श्रेणी कैरियर 120 मैच मे 22 शतक आ 33टा अर्ध शतक क मदाद स 56 स बेसी क औसत स 7000 स ज्यादा रन बनेलथि। मुदा राष्ट्रीय टीम मे चयन क मामला मे हिनका स भेदभाव कैल गेल। हिनका भारतीय टीम मे 22 साल क बैस मे चुनल गेल मुदा पहिल मैच(वनडे) खेलेबाक मौका 30 साल में भेटल आ टेस्ट इ 33 साल क छलाह तखन खेलेलथि।

1980 और 1990 क दशक मे ‘बिहारी’ खिलाडी, खास तौर स पटना क खिलाड़ी कए टीम मे ठीक ठाक जगह भेटल। ओहि मे स्पिन बोलर अविनाश कुमार (97 मैच, 393 विकेट), मछुअटोली क सुनील कुमार (64 मैच, 2 शतक, 20 अर्ध शतक), दरभंगा क तारिक उर रहमान (59 मैच, 5 शतक, 23 अर्ध शतक), राजीव कुमार ‘राजा’ (84 मैच 10 शतक, 27 अर्ध शतक) आदि नाम लेल जा सकैत अछि।  अन्य उल्लेखनीय खिलाडी मे पटना क संजय रंजन (25 मैच), स‍तीश सिंह (17 मैच), अमिकर दयाल (25 मैच), सुनील सिंह (12 मैच), धनञ्जय सिंह (26 मैच), तरुण कुमार (22 मैच), निखिलेश रंजन (37 मैच) आदि रहलाह। झारखंड क गप करि त रांची क अदिल हुसैन (24 मैच, 2 शतक, 3 अर्ध शतक), जमशेदपुर के शाहिद अर्फी (23 मैच, 1 शतक, 3 अर्ध शतक) आ धनबाद क चंद्रमोहन झा (34 मैच,7 अर्ध शतक) क नाम उल्लेखनीय अछि।

कुल मिला कए कहल जा सकैत अछि जे बिहार संग क्रिकेट क संबंध ‘सोन अछि त कान नहि आ कान अछि त सोन नहि’ जेकां अछि। जहिया बिहारी मूलक एकटा खिलाड़ी कए बिहारक टीम मे जगह नहि भेटैत छल तहिया बिहार में क्रिकेट संघ छल आ बिहारक टीम क्रिकेट खेलाइत छल, मुदा जखन टीम में बिहारमूलक खिलाड़ी कए स्‍थान भेटब शुरु भेल त बिहार में क्रिकेट संघ भंग भ गेल आ बिहारक टीम प्रथम श्रेणी क्रिकेट स दूर भ गेल। अपन राज्य मे इ कोनो बहस क मुद्दा नहि बनैतत अछि।

दोसरसमाचार

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020
मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020
मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
Next Post

हम सब बना देलहुं सरकार

नहि रहलाह तारा बाबू

अपन ‘ख्याल’ मे जा बसल बनैली

Comments 5

  1. Arvind Kanth says:
    11 years ago

    BAHUT NIK LAGAL,JAANKARI SA BHARAL AALEKH LEL SADHUVAD.

    Reply
  2. om prakash says:
    11 years ago

    BAHUT NIK LAGAL,JAANKARI SA BHARAL AALEKH LEL SADHUVAD.

    Reply
  3. mukesh jha says:
    11 years ago

    hamara bahut khushi achi ki hamar appan bhasha me news padhe ke lel bhetal ahan sab ka bahut bahut dhanyabad

    Reply
  4. Ankita says:
    11 years ago

    M.S.Dhoni seho Bihar k Ranji team k represent karai chala jinak charcha nai aich.

    Reply
  5. Raman Dutt Jha says:
    10 years ago

    Nik jankari.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि