लद्दाख । भारत आ चीनक बीच फेर झगड़ाक खबरि अछि. बीतल राति पैंगोग लेक लग फिंगर एरियामे चीनक सैनिक घुसपैठ करबाक प्रयास कयलक अछि. भारतीय सेना चीनी घुसपैठक मुंहतोड़ जवाब देलक अछि. बता दी जे 15 जूनक राति गलवान घाटीमे भारत आ चीनक सैनिकक बीच हिंसक झगड़ा भेल छल. एहिमे 20 भारतीय सैनिक शहीद भ’ गेल छलाह. बताओल जा रहल अछि जे भारत-चीनक बीच एखन फ्लैग मीटिंग चलि रहल अछि. अधिकृत रूप स’ एहि बातक जनतब भारत सरकारक दिस स’ देल जा चुकल अछि मुदा की क्यो हताहत भेल अछि व कोनो तरहक नुकसान भेल अछि, एकरा ल’ कोनो जनतब नहि देल गेल अछि.
खबरि भेटल अछि जे काल्हि राति चीनक दिस स’ कयल गेल घुसपैठक प्रयासमे कोनो भारतीय सैनिकक हताहत होयबाक खबरि नहि अछि. भारतीय सेनाक पीआरओ कर्नल अमन आनंद जनतब देलनि अछि जे 29/30 अगस्तक राति, पीएलएक सैनिक पूर्वी लद्दाखमे चलि रहल गतिरोधक दौरान सैन्य आ राजनयिक व्यस्तताक दौरान आबय वला पछिला सर्वसम्मतिक उल्लंघन कयलक आ यथास्थिति बदलबाक लेल उत्तेजक सैन्य आंदोलनके अंजाम देलक. कर्नल अमन आनंद एहि बातक सेहो जनतब देलनि अछि जे भारतीय सैनिक दक्षिणी बैंक ऑफ पैंगॉन्ग त्सो झील पर एहि पीएलए गतिविधिके पहिनहि विफल क’ देलनि. हमरा पदके मजगूत करब आ जमीन पर तथ्य बदलबाक लेल चीनी इरादाके विफल करबाक लेल कड़गर उपाय भेल आ चीनी सैनिकके करारा जवाब देल गेल.