• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ममता जी पहिने सलीका सीखू, फेर सिखाउ

May 18, 2010
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

16 अप्रैल, 2010 अक्षय तृतीया क दिन कतेक गोटेक लेल क्षत-विक्षत हेबाक दिन भ गेल। एहि लोकक गलती मात्र एतबा छल जे इ भारत क आम जनता क ओहि वर्ग स अबैत छथि, जिनकर जेब आवागमन क लेल साधारण ट्रेन क साधारण श्रेेणी वाला डिब्बा मे सफर करबाक इजाजत दैत अछि। एहि एकटा मजबूरी हुनका नई दिल्ली रेलवे स्टेशन क प्लेटफॉर्म 12 आ 13 क बीच भगदड़ मे फंसा कए अनंतक यात्रा पर पठा देलक या फेर घायल करि देलक। एहि त इ सब सेहो महग टिकट क एवज मे पूरा खातिरदारी क संग हवाई यात्रा करितथि। एतबा त जरूर जे हिनका वो सुविधा सेहो नहि भेटैत अछि जे राजधानी, शताब्दी सन ट्रेन मे सफर करिनिहार कए भेटैत अछि। पैघ लोकक एहि ट्रेनक प्लेटफॉर्म आखिरी क्षण मे नहि बदलल जाइत अछि। संग-संग दुपहरिया मे प्लेटफॉर्म पर बाट तकबा लेल सेहो पैघ लोक मजबूर नहि छथि, हुनका लेल प्रतीक्षालय बनल अछि। अछि। नई दिल्ली रेलवे स्टेशन पर मामूली सुविधा क अभाव, नीतिगत निर्णय क क्रियान्वयन मे अनावश्यक विलंब आदि रेलवे क प्रबंधकीय विफलता, अक्षमता कए देखा रहल अछि। रेल मंत्रालय अपन खामी कए सुधारि लिए त फेर यात्री कए सेहो इंतजार करबा स ल कए प्लेटफॉर्म, सीढ़ी, ओवर ब्रिज पर चलबा आ ट्रेन पर चढ़बा क सलीका ठीक स सिखाउल जा सकैत अछि, ककरो एहि मे की आपत्ति भ सकैत अछि। सवाल उठैत अछि जे रेलवे अपन गरीब यात्री लेल न्यूनतम सुविधा देबा लेल कहिया तैयार होएत। किया कि बिहार जेबा लेल ओहि भीड़ मे मौजूद ककरो लग हवाई यात्रा या रेलवे क पैघ लोकवाला ट्रेन में जेबाक विकल्प नहि छल। अन्यथा भगदड़ क शिकार कोई शौक स नहिहोइत अछि।
ममता बनर्जी इतबा पैघ दुर्घटना क बावजूद नैतिक जिम्मेदारी लेबा क स्थान पर कहलथि जे एहि घटना लेल यात्री अपने दोषी छथि, जखन कि ओ इ कहबा लेल जनताक सामने अबितथि जे यात्री कए अपन सुरक्षा क लेल स्वयं सतर्क रहबाक चाही। जाहिर अछि लोक सतर्क छलथि, अन्यथा मृतक क संख्या 2 नहि 20 सेहो भ सकैत छल। जखनकि रेलवे क सतर्कता क आलम इ अछि जे स्टेशन पर प्राथमिक उपचार क साधन सेहो उपलब्ध नहि अछि, जेघायल कए तत्काल राहत देल जा सके।
रेल मंत्री ममता बनर्जी आम आदमी क परिवहन क कमान अपन हाथ मे रखबाक बावजूद ओकर पीड़ा शायद नहि बुझैत छथि। सूती साड़ी आ हवाई चप्पल पहरि कए आम आदमी क बराबरी नहिकैल जा सकैत अछि। एकरा लेल पैघ आ मजबूत कलेजा चाही, जे भीड़ मे ठूंसि-ठूंसि कए सफर करबाक हिम्मत दिए, अनारक्षित डिब्बा मे मोटरी मे अपन गृहस्थी क संग-संग कीड़ा-मकोड़ा क तरह घुसि जेबाक हिम्मत दिए आ सुविधाहीन प्लेटफॉम पर मौसम क परवाह केने बिना ट्रेन क अंतहीन इंतजार करबाक सब्र दिए। दरअसल भारत क गरीब जनता कए कोनो तरहक राहत नहि देबाक कसम सरकार आ प्रशासन तंत्र खा रखने अछि। राहत क नाम पर खैरात बांटबा क प्रवृत्ति विकसित भ गेल अछि। फेर इ उम्मीद कोना कैल जा सकैत अछि जे केवल आ केवल जनता क सुविधा कए ध्यान मे रखैत काज कैल जाएत। 2004 नवंबर मे सेहो एहि स्टेशन पर छठ पूजा क पहिने भगदड़ मचल छल। ओकर बाद निर्णय लेल गेल जे आनंद विहार टर्मिनल शीघ्रातिशीघ्र प्रारंभ कैल जाए। पिछला छह साल स रेलवे एहि पर विचार करि रहल अछि। गरीब रथ हुए या दुरंतो, रेल मंत्रालय अखबार मे छपेबा लेल जे दावा करै मुदा गरीब लोकक पीड़ादायक सफर कए एहि स कोनो खास राहत नहि भेटल अछि। दुनिया क सबस पैघ रेलवे तंत्र क हाल इ अछि जे दुर्घटना भेलाक एक दिन बाद तक एकर असली कारण क जानकारी ककरो नहि अछि। एहन मे त बस एतबा कहल जा सकैत अछि जे ममता जी पहिने अपने रेल मंत्रालय चलेबाक सलीका सीखू, फेर गरीब जनता कए ट्रेन पर चढ़बाक सलीका सिखाउ।

Tags: Biharmamtarailway

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

एनएच क 38टा नव योजना पर राज्य निधि स होएत नवीकरण

Esamaad Epaper Website

बिहार क बीस हजार करोड़ क वार्षिक योजना कए मंजूरी

Esamaad Epaper Website

नहि नीक सड़क बनैब आ नहि बनबै देब

Comments 1

  1. satish mishra says:
    15 years ago

    apna otay civilization ke bad abhav chhai lok bheriya dhassan janka delhi se bihar bihar s delhi aabait jai chhaith aur saman balti lota dibba bora peti je sab apne soichi nahi sakait chhi garibi alag chiz chhai aur civilized alag chiz chhai apne kahiyo bihar ke kono trane ke ticket ke pryas karu khali nahi bhetat e sab ki chhay

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि