• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

समृद्ध पंजाब लेल बदलू मानसिकता

December 9, 2009
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

LUDHIANA_15935fगिरिजेश
मजदूर क महज एक दिनक आक्रोश लुधियाना पर भारी पडि़ गेल। उद्यमी कए करोड़ क चूना लागि गेल। उद्योगपति कराह उठला। मुदा पेट मे भूख क आगि लेने मजदूर आत्मसम्मान आ हक क लड़ाई मे लगल रहल। ओकरा पर पुलिस-प्रशासन आ स्थानीय लोक एकजुट भ हमला केलथि। एतबा धरि जे बेड़ा मे डरा कए नुकायल मजदूर कए सेहो पुलिस बाहर निकालि कए पीटलक आ बर्बर लोकक हाथ मे सौंप देलक। एहि मे किछु गोटेक जान सेहो गेल, मुदा मजदूर क गप कियो नहि सुनलक। अंत मे मजदूर उठल, सड़क पर उतरल आ देखा देलक जे ओ पंजाब मे नहि भारत वर्ष क एकटा प्रांत मे अछि।
एहि एक दिन क नुकासान स सरकार आ प्रशासन कए सीख लेबाक चाही। कहियो एहन घटना क पुर्नावृत्ति नहि हुए। मजदूर क प्रति सरकार संवेदनशील बनए। अगर प्रशासनिक आ सरकारी स्तर पर भ रहल लापरवाही नहि सुधारल गेल त घाटा क आंकड़ा करोड़ मे नहि अरब मे होएत।
पंजाब खास कए लुधियाना मे मजदूर क संग अमानवीय व्यवहार होइत रहल अछि। अधिकतर मजदूर कए कंपनी पहचान पत्र तक नहि देने अछि। इएसआई आ अन्य सुविधा क त गप दूर। कठिन काज क लेल यूपी-बिहार क लोक कए ताकल जाइत अछि, किया कि ओ कमरतोड़ मेहनत करैत छथि। एहि मेहनत क बदला मे वेतन इतबा कम जे पूछू जूनि। की खायब की बचायब। आलम इ अछि जे कतहू-कतहू एक-एकटा कोठली मे 10-12 गोटे मिलि कए रहबा लेल मजबूर छथि। बमुश्किल इ मजदूर पेटकाटि कए हजार-पांच सौ क बचत करि पाबैत छथि। ओकरो स्थानीय लफंगा पुलिसक सहयोग स लूटैत रहल अछि। गरीबीक शाप स ग्रसित बिहार-यूपीक मजदूर झारखंड आ छत्तीसगढ़क लोहा स पंजाब मे साइकिल बनेबा क काज करैत एलाह अछि, इ पूछने बिना जे इ कारखाना ओहि ठाम किया नहि लागल जाहि ठाम स लोहा आ मजदूर अबैत अछि। ओ चुपचाप बेहतर पंजाब क निर्माण मे दिन-राति एक केने रहैत छथि।
आखिर एहन स्थिति कोनो आबि गेल जे मजदूर कए कानून अपन हाथ मे लिए पड़ल। केकर गलती स एहन भेल? जिम्मेवार चाहे राज्य सरकार हुए, प्रशासन या फेर स्थानीय नेता, पर रोजी-रोटी क जुगाड़ मे आएल मजदूर गुनहगार कोना भ सकैत अछि। हुनका कोन जरूरत छल जे राति मे थाना क बाहर प्रदर्शन केलथि, जखनकि हुनका भोर मे फेर कमरतोड़ मेहनत क लेल काज पर जेबाक छल। अगर इ गुनहगार रहितथि, बेइमान रहितथि त आइ हिनकर पेट आ पीठ एक नहि भेल रहितए। शायदे कोनो मजदूर लुधियाना मे कमा कए बिहार मे पैघ मकान बनेने होयत, बल्कि हिनकर शोषण करनिहार धनपशु बनि गेलाह अछि। खैर छोड़ू . . . ।
इ मजदूर जरूर छथि। सड़क क कात मे, झुग्गी-झोपड़ी आ स्टेशन पर सुतबा लेल विवश छथि, मुदा हिनकर श्रम क बिना लुधियाना की शहर क शायदे कोना छोट सन मकान बनि कए ठार भेल होयत। यूपी-बिहार क श्रम क बिना लुधियाना मेट्रो सिटी बनबाक सपना सोचियो नहि सकैत अछि। आइ पंजाब क खेत बिहार-यूपीक मजदूर कए महत्व बुझि गेल अछि। इ हाल रहल त लुधियानाक कारखाना सेहो हिनकर स्वागत लेल नव-नव योजना चलेबा लेल मजबूर भ जाइत। ताहि लेल एखन समय अछि, बदलू अपन इ कुत्सित मानसिकता आ समृद्ध राखू पंजाब।

Tags: Biharpatnaमजदूरलुधियाना

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

शोषण आ उत्पीडऩ क परिणाम छल इ आक्रोश

Esamaad Epaper Website

34.5 हजार प्रशिक्षित शिक्षक क नौकरीक रास्ता साफ

Esamaad Epaper Website

ट्रक क लेल कटलक पहाड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि