• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जगन्नाथ मिश्र आ संन्यास क नौटंकी

July 2, 2010
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

बिहार क तीन बेर मुख्यमंत्री रहि चुकल डॉ जगन्नाथ मिश्र अपन गाम मे बाढि़ देख सक्रिय राजनीति स संन्यास ल लेने छलाह। मुदा महज एक साल बाद ओ एक बेर फेर सत्ता प्रतिष्ठान मे वापसी केलथि अछि। ओ ललित नारायण मिश्र इंस्टीट्यूट ऑफ इकोनोमिक डेवलपमेंट एंड सोशल चेंज नाम क सरकारी संस्था क कार्यकारी अध्यक्ष बनलाह अछि जेकर स्थापना ओ अपन मुख्यमंत्री रहैत केने छलाह। इ पद बिहार सरकार क कैबिनेट मंत्री क बराबर अछि आ ओकर समान सुविधा क भागी अछि।
जाहि मुद्दा पर ओ नीतीश सरकारक विरोध केलथि आ राजनीति स संन्यासक घोषणा केलथि ओ हुनक जीवन मे कहियो मुद्दे नहि रहल, किया कि हुनकर कार्यकाल मे पटना मे एतिहासिक बाढि़ आएल छल आ हुनकर विधानसभा क्षेत्र झंझारपुर पिछला तीन दशक स बाढि़ मे दहाइत रहल अछि। एकर बावजूद जगन्नाथ मिश्र कए कोनो कष्टï नहि भेल। अपन लोकप्रियता कम भेला पर इ क्षेत्र अपन पुत्र नीतिश लेल छोडि़ देलथि। आ नीतिश अपन पिताक विपरित एहि क्षेत्र लेल किछु काज सेहो केलथि, हुनका नीतीश सरकार मे मंत्री पद सेहो भेटल, मुदा पिताक सरकारक ओहि विभाग क विरोध जेकर ओ मंत्री छलाह, हुनका लेल महग पड़ल आ मंत्री पद स इस्तीफा दिए पड़ल। एहि प्रकार स पिताक स्वार्थ बेटाक राजनीतिक जीवन कए दांव पर लगा देलक।
ललित नारायण मिश्रक नाम पर सत्ता सुख भोगैत रहनिहार जगन्नाथ मिश्र लेल सत्ता स दूर रहब कठिन अछि। एहन मे हुनकर संन्यास सेहो नौटंकी स कम नहि रहल। एहि एक साल मे ओ कांग्रेस स राजद तक सब पार्टी मे जेबाक प्रयास केलथि, मुदा गप नहि बनल। पिछला साल लोकसभा स पूर्व राजद प्रमुख लालू प्रसाद स हुनकर लंबा गप भेल, जगदीश टाइटलर स सेहो ओ संपर्क मे रहलाह, मुदा गप नहि बनल। अंतत: नीतीशक शरण मे आबि गेलाह। उम्म्ीद अछि पिताक समर्पणक लाभ बेटा कए अगिला विधानसभा चुनाव मे भेटत।
कमाल क गप इ अछि जे एहि बेर सेहो ओ जहि संस्थानक बागडोर अपन हाथ मे लेलथि अछि ओकर स्थापना सन 1973 मे अपन भाई आ पूर्व रेल मंत्री स्वर्गीय ललित नारायण मिश्र क याद मे केने छलाह। डा. मिश्र करीब 20 साल क बाद एहि संस्था मे प्रवेश केलथि अछि। ओ स्थापना क बाद स 30 नवंबर 1990 तक एहि संस्था क चेयरमैन आ महानिदेशक दूनू छलाह। एहि संस्था क उद्देश्य सामाजिक आर्थिक विकास क सिलसिला मे शोध कार्य करब अछि। डॉ मिश्र कहला जे ओ एहि संस्था कए पुराना गौरव वापस दिएबा लेल हर संभव प्रयास करताह।

Tags: Biharnitish

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post

बिनु तामझाम कए खुलल दू टा रेल उपरि पुल

बदलल रस्म ओ रिवाज, हरा गेल डोली-कहार

माहि क विवाह

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि