• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जनताकें खैरात लेल खकटल खैरातीलालक खाँहिस

February 3, 2018
in विचार
A A

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
रामबाबू सिंह 
मधेपुर ।  मोदी सरकारकें वर्तमान पारीक अंतिम आम बजट सँसदमे प्रस्तुत कएल गेल। ई बजट आम जनताकेँ कसौटी पर कसगर सिद्ध भेल आ कि नै से तँ रामहि जानथि कारण जतय बड़का बड़का अर्थशास्त्रकें निपुण लोकनि कोनो निष्कर्ष धरि नै पहुँच सकथि ओतय हम कोन खेतक मुरई? जतेक मुँह ओतेक बात सुनल आ बुझल जाइए आ ओतबे फराक। मुदा एकटा सामान्य नागरिक होयबाक नाते अपन मन्तव्य अहि सन्दर्भमे जरूर चेपS चाहब। चेपब अहि द्वारे कि ई हमर जन्मसिद्ध अधिकार अछि आ कर्तव्यक जँ बात करि तँ तकर वोध किछुए दिन पहिने माननीय करौलनि।
कर्तव्यवोध सँ हालिया साहेब जीक साक्षात्कार मोन पड़ि गेल। रोजगारकेँ मुद्दा पर बेबाक भ ओ बजलाह जे देशक पढ़ल लिखल प्रवीण युवा वर्ग हाथक सफाई सेहो देखा सकैए छथि। अहिसँ 65% युवावर्ग हस्त कलामे सिद्धस्त सेहो भ जएताह संगहि छोटछिन ढऊआ कौड़ीसँ अप्पन व्यवसाय साहेब सनक लोकक बाम दहीनमे पकौड़ा छानिक सेहो लगा सकैए। साहेब केर तँ खुनमे व्यापार छनि से कएको बेर स्वयं उद्धोषन कए चुकलाह अछि। मुदा देशमे  व्यापारक स्थिति जाहि तरहे पाताललोकमे सनहिआयल जा रहल अछि से देखि ओंघायल अहिरावणक निनि सेहो उचटि गेल हेतनि मुदा हाय रे करम आँखिक सोझामे तबाह होयत व्यवसाय एतहुका कुम्भकरणकें नै सुझैत छनि। ओ तँ एकरा अपन उपलब्धि बुझि उत्सव मनबैत अछि। वास्तवमे ‘विनाशकाले विपरीत बुद्धि” एकरे कहल जाएत अछि। सम्प्रति देशमे व्यापारक एहन कोनो क्षेत्र नै जतय मरघट सन दृश्य नै देखल जाइत होय, परञ्च अहि सन्दर्भमे सरकारक  सोच पर एकटा आरो कहबि मोन पड़ैत अछि जे ” किदन फटे तँ मल्हार गबै”।
देशक बजटके 68% सँ बेसी केवल जनताकेँ जेबीए सँ टैक्स स्वरूप कटैत अछि। अहि देशक लोक पकौड़ा बेचय वा अपन देहक खून सरकारकेँ मतलब खाली टैक्स सँ रहैछ। सुविधाकें नाम पर केवल घोषणाक झुनझुना हाथमे धरा दैत अछि बस। सरकारकेँ अहाँ परजीविक पर्याय कहि सकैत छी। अपनहुँ पेटक जोगार जँ ओ सभ कमा लिए तँ देश पर उपकार तँ होइतहि संगहि आम लोक सेहो हिनकर सभक कृतज्ञ होयतै।
देशक अतेक बड़का संसाधनकेँ उपयोग अपन पसिनके लोकक बीच बानर जकाँ बाँटि दैत अछि मुदा स्वयं देशहितमे किछु कमउताह से नहि होयत छनि। अगबे टैक्स कोना बेसी सँ बेसी असुली कएल जाए ताहिलेल दुनिया भरिक अर्थशास्त्रिक भजारक जमघट लगेने रहैत अछि। मुदा टैक्स कम आ आम लोक एकर बोझ तर नै पिसाई ताहिलेल कियो नैS सोचैत अछि?
एखन टैक्स मुक्त देश सऊदी अरब, तेलक दाम ऊपर नीचा सँ होयत प्रभावकेँ संतुलित करय लेल बिलियन डॉलर केर व्यवसायिक प्रोजेक्ट पर काज कS रहलैए जाहिसँ भविष्यमे निफिकिर भ रहि सकैए। सीखबाक बेगरता अछि, बुद्धिमान तँ तन मन धनसँ रावणो रहय मुदा अहंकारीक अज्ञानता सँ अपन समस्त कुलक ‘खोप सहित कबूतराय नमः” करा श्रधांजलि द अपनो चलि गेलाह।
इच्छाशक्तिक घोर अभाव केवल एकमात्र कारण अछि। रेलवे लग अथाह संसाधन अछि जे बेच सँ नीक ओकर आर्थिक रुपे विकास कएल जाए। देशक पर्यटन स्थल पर काज कएल जाए। हजारो करोड़क आईपीएल मे नीलामी सँ खूब धन बटोरि सकैए छथि मुदा ओतय साँप सूँघि जाएत छनि। लाखो करोड़क कर्जा ल क बुलेट ट्रेन गुजरातमे थुथुन चमकेबासँ पहिने ओहि रुपैयाक निवेश रोजगारमूलक होय ताहि पर सोचथि। मतलब कमेबाक काज केवल आम जनता टाकेँ नैS अपितु देशक सरकारकेँ सेहो सोच होयबाक चाहि आ से एहन तरहक सोच विकसित करबाक मानसिकता कहिया धरि आओत से चिंतनीय अछि?
अमेरिका केर हमर धरती उर्वरता सँ भरपूर देखाइत अछि। दुनियामे हमर देश अवसरक देश अछि आ से सुनि हम आत्ममुग्ध आ आह्लादित होयत रहैत छी मुदा ई अवसर हमरा सभकें किएक नैS सूझि रहल अछि? खाली खैरात कतेक कोना आ कतयसँ भेट जाए ताहिलेल खकटल रहला सँ देश विश्व गुरु बनि जेतै कि? नित नवका नवका बात सुनैत छी अहिबेर एक तँ शेयर बजारकें निवेश पर सालमे 15% टैक्स काटत आ दोसर एखन धरि मिडिल क्लास केर की परिभाषा होइछ से आदरणीय वित्त मंत्री जीकेँ नहि बुझल छनि।
Tags: Arun JetlyBudget 2018modi

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

नदीक अध्ययन लेल आखिर केकरा कहलथि नीतीश कुमार

सुल्तान पैलेस पर भेटल एनओसी, हेरिटेज होटल लेल टेंडर शीघ्र

कालाजार उन्‍मूलन लेल सीतामढ़ी भारत मे आदर्श जिला घोषित

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि