• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लापरवाही, घोटाला आ मीडियाक अज्ञानता

July 23, 2010
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

विपक्षक भाषा बजैत किछु मीडिया देखेलक अपन ज्ञानक सबूत

बिहार मे जतय 11412 करोड़ क अनियमितता पर हंगामा मचल अछि, ओतहि उप्र में 33 हजार करोड़, मप्र मे 41 हजार करोड़, महाराष्ट्र मे 22 हजार करोड़ आ झारखंड मे 6 हजार करोड़ क अनियमितता पर अगर बिहार विपक्ष चुप अछि त एहन मीडिया सेहो चुप अछि।

जाहि रिपोर्ट क आधार पर किछु मीडिया नीतीश सरकार आ बिहारक सरकारी कर्मचारी कए बेइज्जत करबा मे लागल अछि ओहि रिपोर्ट आधार पर त देशक अन्य राज्य सहित केंद्र सरकार तक घेरा सकैत अछि। बिहार मे 11412 करोड़ क अनियमितता कए अगर विपक्षक भाषा मे किछु मीडिया घोटाला कहि आ लिख रहल अछि त इ संपादक आ संवाददाता दूनू क ज्ञान पर सवाल उठा रहल अछि। जाहि वित्तीय अनियमितता कए लकए एतबा बवाल मचल अछि, दरअसल ओ कोनो घोटाला नहि अछि, केवल बिहार क अफसरशाही क लापरवाही अछि, सेहो किछु आन पैघ राज्य स कम । कमालक गप इ अछि जे कांग्रेस आ राजद क पैघ नेता तक इ मानैत छथि जे एहि मामला मे कोनो दम नहि अछि आ नीतीश कोनाओ बिल क व्यवस्था कडी लेताह। सरकार लेल बिल इकठृठा करब कोनो भारी काज नहि अछि, हां कनि सतर्कता बरतब जरूरी अछि, नहि त चारा घोटाला जेका स्कूटर पर भैंस लदा जाइत। मुदा किछु मीडिया त एकरा चारा घोटाला एखने मानि लेलक आ जनता कए एकटा गलत जानकारी देलक।
सवाल उठैत अछि जे मीडिया एतबा सतही आ मूर्ख सन व्यवहार किया करैत अछि, केन्द्र आ अन्य राज्य मे सेहो एहन या एहि स पैध वित्तीय अनियमितता भ रहल अछि। बिहार मे जतय 11412 करोड़ क अनियमितता पर हंगामा मचल अछि, ओतहि उप्र में 33 हजार करोड़, मप्र मे 41 हजार करोड़, महाराष्ट्र मे 22 हजार करोड़ आ झारखंड मे 6 हजार करोड़ क अनियमितता पर अगर बिहार विपक्ष चुप अछि त एहन मीडिया सेहो चुप अछि। कहबाक अर्थ इ जे एहन मीडिया अपन दिस स किछु बुझबाक या कहबाक सामर्थ नहि रखैत अछि। सवाल अछि जे एकर संबंध मे बुझबा लेल संपादक या संवाददाता कोशिश तक नहि केलथि। भ सकैत अछि एहि राशि क एक-एक टका खर्च भेल हुए आ विकास क गति बढ़ेबा मे जुटल अफसरशाही खर्च राशि क बिल-वाउचर जुटेबा मे समय स जुटि नहि सकल हुए। एहन मे एकरा चारा घोटाला स पैघ घोटाला कोना कहि सकैत छी, जखन कि चारा घोटाला मे बिल गडबर छल, स्कूटर पर भैंस लादल गेल छल, नीतीश सरकार त एखन तक इ कहबे नहि केलथि अछि जे ओ माल कोनो आ कथि पर अनलथि। त फेर एकर तुलना चारा घोटाला स करबाक पाछू कोनो न कोनो पूर्वाग्रह त जरूर अछि। किया कि सरकारी काम काज स जुडल एकटा बच्चा सेहो इ बुझी सकैत अछि जे बेइमान स बेइमान सरकार सेहो सरकारी फंड क राशि बगैर खर्च केने अपन जेब मे रखबाक गलती नहि करत। बेइमानी करनिहार कम स कम बिल-वाउचर दुरुस्त रखैत अछि। योजना राशि क गबन नहि करैत। हां, बिल-बाउचर जुटेबा मे जरूर लापरवाही भ सकैत अछि किया कि ओकर दिमाग टारगेट पूरा करबा मे होइत अछि, बिल वाउचर ओकरा लेल सेकेंडरी जिम्मेदारी होइत अछि। एहन मे इ संभव अछि जे बिल नहीं तैया हुए, जेकरा तैयार करबा मे किछु समय लागि सकैत अछि। हां, बिल जमा केलाक बाद अगर कोनो चारा घोटाला सन उदाहरण सामने अबैत अछि त हम एकर तुलना ओकरा स कडी सकैत छी, मुदा एखन त रचना तक नहि भेल अछि त आलोचना कोना भ सकैत अछि।
एहि लेल विपक्ष आ मीडिया क आरोप स घेरायल सरकार एहि संकट मे तीन सूत्रीय रणनीति पर काज करि रहल अछि। पहिल त विपक्ष कए एहि प्रकार स भटका देलक जे मुदृदा वित्तीय अनियमितता स हुनकर व्यवहार पर केंद्रीत भ गेल। एहि मे सरकार काफी हद तक सफल रहल अछि। दोसर सीबीआई जांच क आदेश पर स्टे लेबा लेल कोशिश करब, किया कि नीतीश कए बुझल अछि जे सीबीआई क अर्थ अछि कांग्रेस ब्यूरो आफ इंवेस्टिगेशन। अगर सीबीआई जांच भेल त ओ सेहो लालू, मुलायम, शिबू आ मायावती जेकां कांग्रेस क इशारे पर नाचबा लेल मजबूर भ जेताह।
तेसर चरण जल्द स जल्द उक्त राशि क या कम स कम ओहि राशि क बिल-वाउचर जुटेबा लेबाक अछि जे हुनकर कार्यकाल मे खर्च भेल अछि। लालू क चिंता एहि ठाम अछि आ हंगामा सेहो एतबे लेल भ रहल अछि। लालू चाहैत छथि जे बिल पूरा समयक बनाउल जाए, अगर नीतीशक कार्यकालक बिल बनैत अछि त राबडी देवी क मुष्किल बढि सकैत अछि। बताउल जा रहल अछि जे नौ हजार करोड मे स लगभग 5 हजार करोड़ क हिसाब मिल गेल अछि। बाकी मिलेबा लेल कोर्ट किछु दिनक मोहलत अगर द दैत अछि आ सरकार सीबीआई जांच क आदेश पर रोक लगेबा मे सफल भ जाए। त पूरा मामला नीतीशक पक्ष मे आबि जाइत एहन मे मीडिया कए गंभीरता देखा इंतजार करबाक चाही जे सरकार केहन बिल जमा करैत अछि, वाउचर क जांच क बाद एक बेर फेर सरकार कए बेइमानी आ धोखाधड़ी क लेल जबावदेह ठहराउल जा सकैत अछि, जखन धरि एहि बिल-वाउचर कए ओके नहि करि देल जाइत अछि, तखन धरि सरकार कए बरी नहि कैल जा सकैत अछि, मुदा एकरा घोटाला सेहो कहब गलत अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

खगड़िया मे मोटरसाइकिल पर लादल गेल बाढ राहतक सामान

दिल्ली दरबार मे बिहारक आवाज भेल बुलंद

Esamaad Epaper Website

कुंठित भ बांझ बनल झारखंडक राजनीतिक सर्जनशीलता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि