डॉक्टर दंपती क अपहरण आ बरामदगी पर इ स्टोरी बिहार क प्रसिद्ध पत्रकार ज्ञानेश्वर अपन अनुभव आ एहि मामला मे जुटाउल गेल जानकारी पर हमरा लोकनिक संग साझा केलथि अछि । बिहार लेल अपहरण कोनो नव गप नहि अछि, मुदा इ अपहरण होइत कोना अछि आ पुलिस एहि मामला मे कोना सफल भेल एहि पर इ आलेख मुख्य रूप स प्रकाश दैत अछि। विषय पैघ अछि ताहि लेल आलेख सेहो लंबा अछि। पहिल खेप अहाँ पहिने पढ़ि चुकल छी, प्रस्तुत अछि दोसर खेप ।
कम नहि अछि अजय सिंह क राजनीतिक पहुंच
आब आउ गैंगस्टरर अजय सिंह क माडेस अप्रेंडी कए बुझबाक प्रयास करि । अजय सधल अपहर्ता अछि । कोनो हड़बड़ी नहि करैत अछि । अपहरण बाद सीधा दुम साधि लैत अछि । बीस-पचीस दिन तक कोनो हलचल नहि करैत अछि। जखन पुलिस हारि थाकी कए बैस जाइत अछि आ परिजन निराश भ जाइत अछि,तखन ओ एक्टिव होइत अछि । गिरोह मे सब सदस्य कए काज बंटल रहैत अछि । संपर्क करबा लेल कईटा माध्य्म भ गेल अछि आ अलग-अलग शहर स संपर्क राखल जाइत अछि । रिकार्ड कहैत अछि जे इ गिरोह कई बेर चलैत ट्रेन स उछालल नान स्टॉपेज वाला स्टेशन पर टका स भरल बैग प्राप्ति केलकह अछि । ठेकेदार रविरंजन सिंह अपहरण मामला मे सौदा जल्द आ सस्ता मे भेल, एकर कारण छल राजनीतिक दबाव। भाजपा क एकटा पैघ नेता क संबंधी रहबाक कारण स दबाव बहुत छल । अजय सिंह क राजनीतिक पहुंच ओना कम नहि अछि । पहिने बता चुकल छी जे ओ चंद्रशेखर क पार्टी स चुनाव लडि चुकल अछि । छह फरवरी,2003 कए जखन ओ जयपुर मे हीरा कारोबारी क पत्नी सुमेधा दुर्लभजी क अपहरण केने छल,तखन संजय क संग मोदी क मंत्रिपरिषद मे शामिल मंत्री क एकटा संबंधी सेहो छल । धनंजय सिंह कए सेहो तखन अपराध मे शामिल पाउल गेल छल। जिनकर पिता तखन जनता दल क विधायक छलाह । धनंजय खुद रिलायंस स जुडल छल आ गिरोह क काल्सस क देख-रेख करैत छल । आइ सेहो ओ लखनऊ मे स्व्यं कए कांग्रेस क हाल ही मे दिवंगत भेल नेता क परिवार क करीब बता रहल अछि, जाहि परिवारक बहू पटना मे नामी ब्यू्टी पार्लर चलबैत छथि । एहन मे,इ नहि मानल जेबाक चाही जे अजय सिंह सन शातिर चारि-पांच दिन मे पैघ आसामी स सौदा क सकैत छल।
बिना चाट खेने नहि जगैत अछि पुलिस
आब बिहार पुलिस क गप करि । बिना चाट खेने बिहार पुलिस नहि जगैत अछि । इ थापड सेहो अपराधी क एहन हेबाक चाही जाहि स सरकार क चूल हिले आ मीडिया हल्ला करै । जयपुर जेल मे सुमेधा दुर्लभजी अपहरण मामला मे अजय सिंह आजीवन कैद क सजा काटि रहल छल । ओ 22 अक्टूाबर,2011 कए एक महीना क पेरोल पर आयल । मतलब 22 नवंबर,2011 कए वापसी हेबाक छल । मुदा वापस जेल नहि गेल । 23 नवंबर कए जयपुर जेल प्रशासन शाहपुरा थाना मे रिपोर्ट लिखा देलक । तलाश मे जयपुर पुलिस पटना सेहो आयल । मुदा किछु पता नहि चलल । हमर मानब अछि जे बिहार पुलिस कए तखन जगैत अछि । अजय सिंह पेरोल तोडि जेल स गीता पाठ लेल बाहर नहि आयल छल । बिहार मे जतए-ततए देखल सेहो जा रहल छल । दरअसल,ओ अपन गिरोह कए फेर स जिंदा करबा मे लागल छल । मुदा बिहार पुलिस सुतल छल । फायदा अजय सिंह उठा लेलक । दू माह मे संगठित केलक गिरोह अजय सिंह महज दू माह मे अपन गिरोह कए नव तरीका स जिंदा क लेलक । जनवरी,12 मे ओ गया फोरलेन पर इंडस्ट्रलियस्ट अनिल अग्रवाल कए बनारस स आसनसोल जाइत काल अपहरण क सनसनी फैला देलक । बिहार पुलिस कहलक-अपहरण हमर क्षेत्र मे नहि भेल,झारखंड पुलिस कहलक-अपहरण हमर इलाका मे नहि भेल । बड़़ मुश्किल स वाराणसी मे रिपोर्ट दर्ज भेल । दोसर दिस अपहरण क बाद अजय सिंह गिरोह सुइत गेल । पुलिस हारि गेल,परिजन अपशकुन मानि चुकल छल,तखन संपर्क साधल गेल । माह बाद जखन अनिल अग्रवाल घर वापस एलाह,त पुलिस अपन पीठ थपथपा लेलक । मुदा सब कए पता अछि जे पांच करोड़ मे डील भेल। यूपी एसटीएफ अजय सिंह स पूछताछ क साढ़े पांच करोड़ क डील अनिल अग्रवाल मामला मे भेल छल से कंफर्म केलक । एकर बाद सेहो इ गिरोह दोसर राज्य सब मे अपहरण करैत रहल । डाक्टर दंपती स पहिलका मामला कांट्रेक्टर रविरंजन सिंह क गया फोरलेन पर भेल अपहरण छल । एहि मामला मे सेहो रिहाई आ गिरोह क सच जान बिहार पुलिस सुतल रहल ।
नहि सुतल रहिते त डाक्टर दंपती अगवा नहि भेल रहितथि
बिहार पुलिस क नाकामी सूरत क सोहेल हिंगोरा मामला मे सेहो स्पष्ट अछि । बिहार मे नौ करोड़ क फिरौती वसूली मामला क खुलासा केने छल । बड़ हंगामा भेल । गैंगस्टर क पहचान चंदन सोनार क रुप मे भेल । मुदा आइ धरि चंदन सोनार पुलिस क गिरफ्त स दूर अछि । बहरहाल, अंत मे डाक्टर दंपती क अपहर्ता अजय सिंह क किछु कमजोरी बता दी,जाहि कारण स ओ पुलिस कए जरुरी लीड्स द दैत अछि । अजय नव अपहरण मे पिछुलका अपहरण क समय अपह्त क गाड़ी क इस्तेमाल करैत अछि । डाक्टर दंपती मामला मे सेहो ओ एहने केलक । ठीक एहिना 2003 मे जयपुर मे सुमेधा दुर्लभजी अपहरण मामल मे केने छल । दूटा गाड़ी तखन ओ इस्तेमाल केने छल । अपहरण क बाद एकटा इंडिका ओ छोडि देने छल । ओहि इंडिका स पुलिस कए तखन अजय सिंह क दिल्ली ठिकाना तक पहुंचबा मे मदद भेटल । दरअसल ओ इंडिका 14 दिसंबर,02 कए एहि गिरोह द्वारा छत्तीसगढ़ क बिलासपुर मे अपह्त कैल गेल दूटा इंजीनियर क छल । बाद मे ओ इंजीनियर सब कए उड़ीसा क राउरकेला मे छोड़ल गेल छल । आगू जांच मे छत्तीसगढ़ पुलिस गिरोह क सदस्य उमेश सिंह कए गिरफ्तार क अजय सिंह क पहचान केने छल,मुदा अजय पकड़बा स पूर्व जयपुर मे दोसर पैघ वारदात कए अंजाम द देलक । तखन अजय क दिल्ली मे भेल गिरफ्तारी मे सुमेधा दुर्लभजी क अपहरण मे प्रयुक्तअ दोसर मारुति स्टीम कार जेएच-11ए-7987 सेहो जब्ती कैल गेल छल । जारी….
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa