• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पहिल कडी : इ अपहरण रुकि सकैत छल…

May 8, 2015
in विचार
A A

डॉक्टर दंपती क अपहरण आ बरामदगी पर इ स्टोरी बिहार क प्रसिद्ध पत्रकार ज्ञानेश्वर अपन अनुभव आ एहि मामला मे जुटाउल गेल जानकारी पर हमरा लोकनिक संग साझा केलथि अछि। बिहार लेल अपहरण कोनो नव गप नहि अछि, मुदा इ अपहरण होइत कोना अछि आ पुलिस एहि मामला मे कोना सफल भेल एहि पर इ आलेख मुख्य रूप स प्रकाश दैत अछि । विषय पैघ अछि ताहि लेल आलेख सेहो लंबा अछि । पहिल खेप प्रस्तुत अछि।  – समदिया

त इलाहाबाद मे भेल गुप्ता दंपती क रिहाई

Gyaneshwarखैर मनाउ जे गया क चिकित्सक डा. पंकज गुप्ता पत्नी शुभ्रा गुप्ता संग सकुशल घर लौट एलाह । गैंगस्टर अजय सिंह सेहो पुलिस क हत्था चढ़ल । अपहरण क मामला मे पुलिस कए सेहो जानकारी कैक बेर उलझा देत अछि । एहि उलझन स किछु भ्रम सेहो पैदा होइत अछि । आब सच की अछि जे डाक्टर दंपती कए नहि त पुलिस क दावा क मुताबिक लखनऊ मे छोड़ल गेल आ नहि डेहरी मे, जेना कि घर लौटलाक बाद डा. पंकज गुप्ता  मीडिया कए बता रहल छथि । अपहर्ता हिनका सब कए इलाहाबाद जाकए छोड़ने छल, ओहि ठाम स इ सब पुरुषोत्म्ता /पूर्वा एक्साप्रेस स गया पहुंचलथि । गया एलाक बाद दंपती क रिहाई क खबरि कुंदन कृष्णन क माध्यम स यूपी एसटीएफ क आईजी सुजीत पांडेय कए कंफर्म कैल गेल ।

संजय क बेटा तक छल रेडार पर

एहि तरहक भ्रम पैदा भेला स पालिटिकल सवाल सेहो उठैत अछि । कानाफूसी सेहो होइत अछि। एहि मामला मे सेहो किछु एहने भेल। किछु पत्रकार फिरौती क दावा क  रहल छथि, मुदा एहन दावा करनिहार अजय सिंह गिरोह क माडेस अप्रेंडी स बिलकुल अनभिज्ञ छथि । हकीकत क जांच क बाद निष्किर्ष  इ अछि जे एहि अपहरण कांड मे कोनो फिरौती नहि वसूलल जा सकल । एहि गप क दावा ओहिना नहि संभव अछि बल्कि एकरा लेल बिहार मे कांड क मानीटरिंग क रहल आईपीएस कुंदन कृष्णनन कए प्रणाम करबा क चाही । बहुत कम समय मे कृष्णन गया-रफीगंज-सासाराम-पटना-जमुई मे गैंगस्टलर अजय सिंह स जुड़ल करीब बीस गोटे कए रडार पर लेलथि । पत्नी-सार स लकए इंजीनियरिंग क पढ़ाई क रहल अजय सिंह क बेटा तक रेडार पर छल ।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

कुंदन क कंफर्मेशन क बाद शुरु भेल कार्रवाई

इ सेहो सच अछि जे बिहार पुलिस लखनऊ मे दू दिन स कैंप क रहल छल । यूपी पुलिस क आईजी (एसटीएफ) सुजीत पांडेय मानीटरिंग क रहल छलाह । सबटा लीड्स गोमतीनगर मे जाकए ठहरैत छल । गोमतीनगर क खबरि पहिने स छल । पूर्व मे सेहो एहि गिरोह द्वारा अपह्त ठेकेदार रविरंजन सिंह क परिजन फिरौती क भुगतान लखनऊ क गोमतीनगर मे केने छलाह । यूपी एसटीएफ क पड़ताल क बाद शारदा अपार्टमेंट क पहचान भेल । एहि अपार्टमेंट मे हजार स बेसी लोक रहैत अछि । फेर फ्लैट पर कंफ्यूजन छल । गन बैटल एहि ठाम मुश्किल छल ।  मंगलदिन पांच मई क राति बहुत अहम् छल । अपहरण मामला मे अपह्त क सकुशल रिहाई पुलिस क सर्वोच्च प्राथमिकता होइत अछि । लखनऊ क शारदा अपार्टमेंट मे घुसि कए यूपी एसटीएफ तुरंत पैघ सर्च आपरेशन क सकैत छल मुदा कैक तरीका क संकोच सेहो छल । दोसर दिस अपन स्टाइल मे काज करनिहार कुंदन कृष्णन पटना मे दबाव क मीटर देखि निश्चिंत छलाह जे अपहर्ता कए चिकित्सक दंपति कए भोर तक छोड़ब मजबूरी अछि । इ स्पष्ट नहि छल जे रिहाई कतए होएत । निश्चिंतता एहि गपक सेहो पूर्ण नहि छल जे गोमतीनगर क शारदा अपार्टमेंट मे अपहर्ता लग अपह्त चिकित्सक दंपती छथि बा नहि । एहन मे अपार्टमेंट क भीतर घुसिकए तुरंत कार्रवाई करब सेहो मुनासिब नहि छल ।

जखन कुंदन कृष्णन यूपी एसटीएफ कए बुधदिन छह मई कए भोर मे कंफर्म केलथि जे डाक्टिर दंपती कए छोडि देल गेल, तखन यूपी पुलिस कनि सक्रिय भेल । मुदा कतए छोड़लक,इ नहि पता छल, किया कि छोडलाक बाद डाक्टर क फोन नहि आयल छल । एहन मे बाट ताकल गेल। जखन डाक्टर दंपती घर गया पहुंच गेलथि तखन सौ फीसदी मुमकिन भ गेल जे रिहाई भ गेल । ते, आपरेशनल टीम शारदा अपार्टमेंट स ता धरि दूर रहल । दोसर दिस अजय सिंह गिरोह कए एकर अंदेशा नहि छल जे बिहार पुलिस क टीम लखनऊ पहुंच चुकल अछि । ओ अपह्त कए रिहा क आ तनावमुक्ते भ गेल छल । कुंदन कष्ण न जहिना रिहाई कंफर्मेशन देलथि यूपी एसटीएफ बिहार पुलिस क टीम क संग शारदा अपार्टमेंट मे कार्रवाई शुरु क देलक । ऑडी गैराज मे देख विश्वासस पुख्ता भ गेल । फ्लैट नंबर सूचना मुताबिक कंफर्म भ चुकल छल । फेर सीधा धावा बाजल गेल । आपरेशन मे गैंगस्टटर अजय सिंह पकडल गेल । अपहरण मे इस्तेमाल सामान क जब्ती भेल । जारी……।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

दोसर कडी : इ अपहरण रुकि सकैत छल...

Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत दूटा आओर केंद्रीय विश्वविद्यालय

Esamaad Epaper Website

रंग लेलक मुहिम, निजी कंपनी भेल राजी, सरकार सेहो सक्रिय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि