• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
in फीचर
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020

मिथिलाक अद्भुत पर्व जुड़-शीतल 14 अप्रैल कए

आशीष झा
मिथिला क प्रकृतिपूजक संस्कृति क अद्भुत पर्व अछि जुड़-शीतल। एहि पर्व क संबंध मे अयोध्‍या प्रसाद ‘बहार’ अपन पुस्‍तक रियाज-ए-तिरहुत मे किछु एहने वाक्‍य लिखने छथि। मुदा ग्लोवल वार्मिंग क एहि दौर मे एहि पर्व क वैज्ञानिक उपयोगिता आ सार्थकता बढि गेल अछि। हम पश्चिम देश क नकल करैत अर्थ आवर क नाम पर ओहि जगह क बत्ती सेहो बंद करि दैत छी, जतए बिजली कखनो-कताल अबैत अछि। की पश्चिम समाज कखनो भनसाघर स निकलैत ऊर्जा पर गौर करैत अछि। की ओ कखनो भनसा घर कए आराम देबाक कोशिश करैत अछि। नहि। मुदा मिथिला मे एकटा पुरान परंपरा अछि जे हमरा एहन करबाक प्रेरणा दैत अछि। जुड-शीतल मिथिला क एकटा एहने लोकपर्व थीक।

 

आइ बहुत लोक एहि पर्व क संबंध मे नहि जानैत अछि, मिथिला मे सेहो इ पर्व सिमटैत जा रहल अछि। अखबार आ पत्रिका मे सेहो एहि पर्व क संबंध मे कोनो जानकारी नहि अछि। हुनकर सेहो मजबूरी अछि। जुड-शीतल कोनो ब्रांड नहि बनि सकल अछि। इ पर्व न कोनो पैघ नेता मना रहल अछि आ न कोनो कलाकार या खिलाड़ी। फेर कोनो लिखल या देखाउल जाएत। एहन मे एहि पर्व क बारे मे बतेबा लेल नहि त अखबार मे जगह अछि आ नहि चैनल मे समय। मुदा एहि पर्व क रोचकता आ वैज्ञानिकता एकरा मरबा स बचेने अछि। अगर एहि पर्व कए मिथिलाक आन पर्व जेनां छठि आ सामा जेकां प्रचारित कैल जाए, त एहि अद्भूत पर्व पर पूरा विश्व आकर्षित भ सकैत अछि। मूलरूप स इ पर्व सूचिता अर्थात साफ-सफाई स संबंध रखैत अछि, मुदा एकर मुख्‍य कारक ग्‍लोवल वार्मिन स बचब अछि। दू दिवसीय एहि पर्व क पहिल दिन सतुआइन आ दोसर दिन कए धुरखेल कहल जाइत अछि।

सतुआइन (14 अप्रैल) : जेनाकि नाम स पता चलैत अछि जे एकर संबंध सत्तू स अछि। सतुआइन क दिन लोक सत्तू आ बेसन स बनल व्यंजन ग्रहण करैत छथि। एकर पाछु तर्क इ देल जाइत अछि जे सतुआइन क अगिला दिन चूंकि चूल्हा नहि जरैत अछि, ताहि लेल सतुआइन क दिन बनल भोजन लोक अगिला दिन सेहो खाइत अछि। एहन मे सत्तू आ बेसन क व्यंजन कए गर्मी क मौसम मे खराब हेबाक आशंका कम होइत अछि। ताहि लेल एकर प्रयोग कैल जाइत अछि। सतुआइन दिन भोर मे जेठ (घर मे सबस पैघ) छोट क माथ पर एक चूडूक पाइन रखैत अछि, माना जाइत अछि जे एहन करबा स पूरा गर्मी क मौसम मे माथ ठंडा रहैत अछि। सतुआइन क दिन गाछ मे पाइन देब अनिवार्य होइत अछि। छोट स ल कए पैघ तक। उच्‍च स ल कए नीच तक। एक लोटा स ल कए एक बालटी तक पाइन सब कोनो न कोनो गाछ मे जरूर दैत अछि। ओना अनिवार्यता कायम करबा लेल एहि काज कए पुण्‍य स जोडि देल गेल अछि आ कहल जाइत अछि जे एहि दिन गाछ मे जल डालला स पुण्‍य होइत अछि।

धुलखेल (15 अप्रैल) : मिथिला मे एहि दिनक बड महत्‍व अछि। साल मे इ एक दिन एहन अछि जहिया चूल्‍हाक मरम्‍मत होइत अछि आ ओकर कोनो प्रकारक प्रयोग नहि कैल जाइत अछि। एहि दिन लोक बसिया भोजन करैत अछि आ भोर स ओहि सब स्थान कए विशेष तौर पर सफाई करैत अछि जाहि ठाम पाइन जमा होइत अछि। जेना तालाब, कुआं, मटका, संप, टंकी आदि। परंपरा क अनुसार एहि स्थान क सफाई क दौरान लोक अपना मे विनोदपूर्ण क्रिया करैत अछि। जेना एक-दोसर क ऊपर पाइन फेंक दैत अछि या फेर पोखरी या ईनार स निकलल थाल एक-दोसर पर फेंक देल जाइत अछि। एहि सफाई स जतए पोखरी आ इनार मे नव जल क आगमन होइत अछि ओतहि समाज क सब वर्ग आ जाति क बीच मेल-मिलाप बढैत अछि। छठि जेका जुड-शीतल मे सेहो कोनो जाति या धर्म क बंधन नहि होइत अछि। लोक मिलजुल कए सार्वजनिक आ निजी जलसंग्रहण स्थल क सफाई करैत छथि। थोडे काल त इ पर्व होली जेका भ जाइत अछि फर्क केवल एतबा होइत अछि जे एहि मे पाइन आ थाल मात्र स एक-दोसर कए पोतल जाइत अछि जखन कि होली मे रंगक प्रयोग होइत अछि। शहर मे लोक आब संप, वाटर फिल्टर आ कूलर कए साफ करि एहि पर्व कए मनेबाक नव शुरूआत केलथि अछि। एहि दिन जतए पहिने माटीक चूल्‍हा क मरम्मत होइत छल, ओतहि आइ लोक गैस चूल्‍हा क ऑवर व्लाइलिंग करवा लैत छथि। पोखरी स लकए भनसा घर तक क सफाई क बाद लोग बासी (एक दिन पुरान भोजन) भोजन करैत छथि। मिथिला मे दुपहरिया बाद बहुत ठाम आसमान पतंग स भरि जाइत अछि। मिथिला क कईटा शहर आ गाम मे जुड-शीतलक मेला प्रसिद्ध रहल अछि। एहि पर्व कए बचेबाक जरुरत अछि, एकरा पसारबाक जरुरत अछि, किया कि इ समाज कए धर्म आ जाति क बंधन स मुक्त करैत अछि। अगर पश्चिम क सोच स चलबा लेल शपथ ल चुकल छी तखनो हम इ जरूर कहब जे ग्लोवल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल।

Tags: jud-shilalजुड़-शीतल

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
कविता :  मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

कविता : मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

January 11, 2020
Next Post
MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

Corona Virus Test in India, Corona Virus,. Corona Virus maithlii news, Maithili news

विकिपीडिया कए रहल अछि मैथि‍ली मे कोरोना वायरसक सूचना क प्रसार

सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

Comments 2

  1. dr dhanakar thakur says:
    12 years ago

    जुड़ी शीतल क विषयमे हम अनेक वर्षस लिखी रहल छह जे ई पर्यावरण रक्षक , अबयबला बाढिक पूर्व पोखरे उढहक त्योहार अछि जाकर निहितार्थ बहुत किछू छईक। 14 अपरिलक अश्वनियाम मेषे मिथिलाक नववर्ष सेहो अछि जे मिथिला दिवस्क रूपमे मनेबाक चाही आ मिथिला क झण्डा(आयताकार केशरिया मे हरक नोक पर घइल) घरे घर टांगक चाही- हनुमत ध्वजादान, सलहेश-अंबेडकर क दिन यइह अछि।

    Reply
  2. Raman Dutt Jha says:
    10 years ago

    Bahut nik .

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि