• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

माफिया, नेता और पुलिसक गठजोड़क कारण एहि घटनाक पाछुक असली सच सामने नहि आयल आ एकर फायदा धर्म आ जाति पर राजनीति करनिहार नेता आ दल उठायल..उम्मीद कैल जाय जे एहि घटनाक फरार आरोपितक शीघ्र गिरफ्तारी होएत आ अदालत जल्द स जल्द दोषी कए सजा देत.

April 9, 2021
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

पूजा सिंह
मधुबनी : मधुबनी हत्याकांड पर नेताक बयान, पुलिसक सफाई आ मीडियाक रिपोर्ट जे कहैत अछि, सत्य आहि स एकदम भिन्न अछि. इ सही अछि जे भोला सिंह आ सतेंद्र सिंहक परिवार मे एकटा जमीनक टूकड़ा लेल पुरान झंझट अछि. गामक सीमा पर एकटा पोखरि पर कब्जा लेल पहिने सेहो हत्या दर हत्या भ चुकल अछि. मुदा इ मात्र दूनू परिवारक बीच लड़ाईक इतिहास अछि. होली दिनक घटनाक पाछु जे कारण बताउल जा रहल अछि, सत्य ओहि स अलग अछि.
जखन एहि घटनाक पड़ताल कैल गेल त पता चलल जे पोखरी मे होलीक आसपास कोनो जाल नहि खसाउल गेल छल. पोखरि बसावट स दूर दूटा गामक सीमा पर अछि आ पोखरि चारूकात काफी जंगल जेकां अछि. पोखरि क ठेका संजय सिंह एकटा यादव कए देने छथि, मुदा पोखरि पर गतिविधि भोला सिंह क सतत रहैत अछि. एहि संदर्भ मे जखन गामक चाय दुकान आ टोलक बच्चा बुतरूक स गप शुरु भेल त एक एक करि सबटा सूत्र खुलैत गेल.

दहशत मे अछि गाम
गाम टोलक लोकक कहब अछि जे इ हत्या माछ लेल नहि, बल्कि एक कार्टून शराब लेल भेल. नाम आ पहचान नुकेबाक शर्त पर विजय बाबू (काल्पनिक नाम) कहैत छथि जे हम सब दूनू परिवार स अक्कछ छी. नहि पूछू एहि दूनू परिवारक
दबंगता. सत्येंद्र क परिवार त पहिने स दबंग छल, मुदा पिछला 7-10 साल स नीतीश बाबूक शराबबंदीक कारण भोला सेहो बड़का माफिया भ गेल अछि. नेता स ल कए पुलिस तक आब ओकर पहुंच छै. कारण छै शराबक धंधा मे बड़ पाई छै आ टका त नेता आ पुलिस दूनू तक पहुंचैत छै. जे भेल सबटा दारूक कारण भेल.
विजय बाबू क कथा कए विस्तार दैत रामफल(काल्पनिक नाम) कहैत छथि जे इ हत्या कोनो पहिल छी, 93 मे सहो भोला आ सतेंद्र क परिवार क बीच हत्या कए ल कए आरोप-प्रत्यारोप भेल छल. आब हम सब पुलिस मुकदमा त नहि बुझैत छी मुदा जे गाम मे चर्च छै सैह कहब. ओहि समय मे सेहो सतेंद्र क परिवार पर भोला पक्षक दू तीन गोटे कए हत्या करबाक आरोप लागल छलैक. ओना सतेंद्र क पक्ष मे ढार महंतक हत्या मे सेहो भोला सबहक हाथ बताउल जाइत छै. आब के केकरा मारलक एकर के गवाही देत. ओना महंतक हत्याक बाद खून खराबा बंद भ गेल छल.

शराबक धंधा मे बहुत ताकत छै
विजय बाबू कहैत छथि जे भोला जहिया स शराबक धंधा मे लागल तहिया स ओकर ताकत बढि गेल. गाम मे शराब नुकेबाक जगह वन-झार होइत छै. लोक कहैत छै जे संजय सिंह क पोखरि मे भोला शराब रखैत छै. शराबबंदीक बाद एहि धंधा मे एतबा टका लेन-देन भ गेल जे बडका बडका नेता आ अधिकारी भोलाक संपर्क मे आबि गेल छथि, भोला कए छूअब आब आसान नहि रहि गेल अछि.
एहि पर रामप्रीत(काल्पनिक नाम) कहैत छथि जे पिछला छठि मे की भेलैय. संजय पोखरी पर गेल रहै, ओहि ठाम झंझट भेलैय, संजय बुझलक माछ मारैये जखन कि मामला त बोतल नुकेबाक छल. संजय एक दलित एक्ट मे भोला अंदर करबा देलक. लोक त यैह कहैत छै, सच के कहत. होली दिन माछ क मामला कहल जाइत छै, मुदा झंझट मे त माछक कोनो चर्च नहि छल. भोलाक एक ट्रक दारू उतरल छल आ सतेंद्र क परिवार एक कार्टून उठा अनने छल. भोला कए जखन पता लागल जे एक कार्टून दारू ओकर सतेंद्र क परिवार उठा ल गेल त ओ प्रवीण झा कए पठेलक जे जो दारूक पाई मंगने आ नहि त दारू उठा ला. विजय बाबू बीच मे टोकैत कहैत छथि छोडू ने इ सब खिस्सा, कियो ककरो गवाह बनत. मुदा रामफल कहैत छथि जे गवाह कियो नहि बनत मुदा जे सच छै से कहै दियउ. हमरो इ बुझल अछि जे प्रवीण कए सत्येंद्रक घर पर भोला पठेने रहै आ जखन ओ दारू क पाई मंगलकै त सतेंद्र क घर पर ओकर बंधक बना रखलकै. सुनै छीयै जे मारबो पिटबो केलकै. रामप्रीत कहैत छथि जे सच सुनलियै, भोला यैह गप त नवीन कए फोन पर कहलकै जाहि पर नवीन दल बल संग सतेंद्र क घर पर आयल. पहिने त लाठी- चाकू सैह चलैत रहल, मुदा जखन ओ फौजी बीच बचाव मे आयल त अचानक नवीन क हाथ से फायरिंग शुरू भ गेल. इ त पूरा गाम जनैत छै जे नवीन बड तमसाह छै, चौक चौराहा पर सेहो धक द आगि भ जाइत छै. इ दारूक नशा मे सबटा तबाह क देलक आ गाम घर क शांति पता नहि कहिया लौटत.

पुलिस नहि क रहल अछि कोताही : एसपी
महमदपुर मे 29 मार्च 2021 कए होलीक दिन 5 गोटे कए गोली मारि देल गेल. एहि घटना मे 29 मार्च कए 3, 30 तारीख कए 1 आ ओकर अगिला दिन 1 व्यक्ति यानी कुल 5 व्यक्ति क मृत्यु भ गेल. पुलिस बेनीपट्टी कांड संख्या 67/21 दर्ज केने अछि. कुल 35 अभियुक्त कए नामजद कैल गेल अछि. 10 गोटे कए गिरफ्तारी घटनाक दोसर दिन भ गेल. मधुबनीक एसपी डॉ सत्यप्रकाश कहला जे मुख्य आरोपी प्रवीण झा सहित 6 गोटे कए गुरुवार कए गिरफ्तार कैल गेल अछि. नवीन झा समेत किछु एखनो पुलिस स भागल छथि. एसडीपीओ बेनीपट्टी क निर्देश नेतृत्व मे स्पेशल इन्वेस्टिगेशन टीम क गठन कैल गेल अछि. 7 अप्रैल कए रात्रि मे लगभग 3 बजे अभियुक्त प्रवीण झा, चंदन झा, भोला सिंह, मुकेश साफी कए प्रहलाद महतो क घर स गिरफ्तार कैल गेल. कमलेश कुमार क गिरफ्तारी सेहो भेल. एहि कांड मे एखन तक प्रवीण झा, घनश्याम झा, सुनैना देवी, राजेश कुमार झा, ऋषिकेश कुमार झा, अभिषेक कुमार झा, निखिल कुमार झा शोभा कांत मेहता, देवेंद्र ठाकुर, प्रशांत झा, कमलेश सिंह, भोला सिंह, चंदन झा, मुकेश साफी, सोनू चौधरी आ प्रह्लाद महतो क गिरफ्तारी भ चुकल अछि.
एसपी कहला जे 2 तारीख कए कोर्ट मे इस्तेहार आ कुर्की लेल आवेदन द देल गेल छल. 3 तारीख कए जब्ती-कुर्की क आदेश प्राप्त भेल आ 4 तारीख कए कुर्की क कार्रवाई शुरू क देल गेल. मनोज झा, अमरजीत झा, सुजीत कुमार सिंह, झुन्ना सिंह, मुन्ना सिंह, कमलेश सिंह, विश्वजीत कुमार आ अन्य अभियुक्त क विरुद्ध कुर्की लेल माननीय न्यायालय मे आवेदन समर्पित अछि. स्पीडी ट्रायल स मामलाक निष्पादन होएत. ओ कहला जे एहि मामला मे पुलिस कोनो कोताही नहि बरत रहल अछि. स्थानीय थानाप्रभारी कए सस्पेंड सेहो क देल गेल अछि.

कोरोनाक कारण नहि भ सकल आत्मसमर्पण
गामक लोकक कहब छै जे हत्याक बाद अधिकतर आरोपित नेपाल भागि गेल. मुदा जखन राजनीति रूप स इ मामला राजपूत बनाम ब्राहमण बनै लागल त नेपाल मे सहो सुरक्षित रहबाक भरोस खत्म भ भेल. एकटा प्रभावी नेता सेहो आरोपित कए किछु भरोस दियेबा मे अपना कए असमर्थ बता देलथि. एकर बात आरोपित बिहारक किछु पैघ पत्रकार सब स संपर्क केलथि आ आत्मसमर्पण करबाक इच्छा प्रकट केलथि. मुदा एहि मे एकटा तकनीकी पेच फंसी गेल. कानूनक अनुसार पुलिस कोनो कोरोना पोजेटिव मरीज कए गिरफ्तार क सकैत अछि, मुदा कोर्ट मे या थाना मे आत्मसर्पण लेल कोरोना निगेटिव हेबाक प्रमाणपत्र चाही. एहन मे आरोपित आ पुलिस दूनू लग कोनो विकल्प नहि छल. एहि आत्मसमर्पण कए गिरफ्तारी देखाउल गेल. यैह कारण रहल जे एडीजी मुख्यालय आरोपित कए गिरफ्तार करबाक सही सही ठेकान बतेबा मे असहज होइत रहलाह.

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नेता सब जाति क रंग देबा मे पाछु नहि रहलाह
गामक लोक एहि स काफी आक्रोशित छथि जे नेता सब एहि घटना कए राजनीतिक रंग देबा स कोनो परहेज नहि केलथि. इ सब मानैत अछि जे हमलावर प्रवीण झा बजरंग दल स जुड़ल अछि, जखन कि सतेंद्रक परिवार पुरान कॉंग्रेसी अछि. छठि पूजा क दौरान भेल विवाद पोखरि मे बंसी खसेबाक लेल छल, जे एहि बेरका मामलाक एंगल देल जा रहल अछि. प्रवीण झा आ नवीन झा आजुक तारीख मे भोला सिंहक करीबी छथि. हालाँकि पुलिस एहि मामला मे एखन धरि किछु साफ साफ कहबा लेल तैयार नहि अछि.
नेताक आवाजाही आ बयान पंचायत चुनाव त जारी रहत. करनी सेना क चहलकदमी आ ब्राहमणवादी संगठनक सफाई एहि घटना कए जातिगत रंग दैत रहत, मुदा पांच गोटेक हत्या क पाछु जातिवाद क कोनो जहर नहि अछि, अगर किछु अछि त ओ अछि शराब..आ शराब क गोरखधंधा स पैदा भेल दबंगता. माफिया, नेता और पुलिसक गठजोड़क कारण एहि घटनाक पाछुक असली सच सामने नहि आयल आ एकर फायदा धर्म आ जाति पर राजनीति करनिहार नेता आ दल उठायल..उम्मीद कैल जाय जे एहि घटनाक फरार आरोपितक शीघ्र गिरफ्तारी होएत आ अदालत जल्द स जल्द दोषी कए सजा देत.

Tags: madhubanimaithilimithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

Comments 1

  1. Pingback: एक कार्टून शराब के लिए हुआ था मधुबनी में नरसंहार, पोखर की जमीन तो मात्र एक बहाना है « Daily Bihar

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि