• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अविस्वसनीय, मुदा सच

June 6, 2008
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

23ed-edition copy
कहल जाइत अछि भोरक सपना सच होइत अछि, कम-स-कम बिहारक लोक त इ आब मानय लागल अछि। एक-एक करि सबटा सपना पूरा हुए लागल। पटनाक सरकार गाम तक पहुंच गेल। जिलामुख्यालय स दूर भ चुकल गाम एकाएक राज्य सचिवालयक परिसर बनि गेल। बीडीओ से भेंट करबा लेल सदियों स बाट तकैत समाजक दुहारि पर भोरे-भोर खुद ‘सरकार पहुंच गेलाह। बिहार मे जे किछु भ रहल अछि, ओ अविश्वसनीय अछि, मुदा सच अछि। बिहार आइ बीमारू राज्य नहि अछि। बिहार मे आइ सरकार आ जनताक बीच दूरी नहि अछि। बिहार मे आइ शहर आ गाम दूनू सपना देखबा लेल तैयार अछि। विकास लेल छटपटाइट बिहार क जनता लए इ सबस पैघ सकूनक गप अछि जे इ छटपटाहट मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मे सेहो देखबा मे आबि रहल अछि। ओ सहो बिहारक एकटा आम लोक जेका विकास लेल भूखल छथि।
अपने लोकनि कए स्मरण होइत समादक पाचम संस्करणक तेसर पन्ना। ‘एकटा रिपोर्ट जे लिख नहि सकलहुÓ मे पिछला साल समाद इ स्पष्टï कए देने छल जे बिहारक विकास मे सबस पैघ बाधक भ्रष्टïाचार अछि। खास कए बीडीओ स्तर पर इ लाईलाज भ चुकल अछि। नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा क दौरान इ साफ तौर पर पउलथि जे बिहार मे भ्रष्टïाचार क रोग लाईलाज भ चुकल अछि। ओ एकर खिलाफ जंगक एलान कए देलथि अछि। ओना देखि त बिहार मे भ्रष्टïाचार कोनो नव नहि अछि। दशकों स इ बिहार कए अपन गिरफ्त मे केने अछि। आइ हमरा इ भयावह एहि कारण स लागि रहल अछि, किया कि बाकी सब या त खत्म भ गेल या फेर कमजोर भ गेल अछि। बिहार स अपराधक संबंध सेहो पुरान अछि। किछु लोक कहैत छथि जे अपराध त एखनो होइत अछि। सवाल अछि अपराध त होइत आ होइत रहत, मुदा अपराध जे फैशन भ गेल छल ओ आब खत्म भ गेल। बिहारी युवा क आदर्श आब ओ अपराधी प्रवृतिक लोक नहि छथि, जिनकर घर आइ-काल्हि जेल भ चुकल अछि। सवाल अछि जे बिहारी युवाक मानस केना बदलल। ओकर आदर्श केना बदलि गेल। इ नहि त कोनो जादू भेल आ नहि कियो टोना केलक। इ एक-एक गोटेक प्रयास अछि। आ सबस पैघ पुनर्जीवित होइबाक लालसा।
पिछला किछु साल मे बिहार मे इ देखबा मे आइल जे शहर स गाम तक जे विचार मे जड़ता आबि गेल छल, ओ खत्म भ रहल अछि। अधिकारी वर्ग जे सामज कए ‘अपडेटÓ करबाक काज छोडि़ देने छलाह, ओ बिहार स बाहर गेल मजदूर करय लागल। धीरे-धीरे गाम तक इ गप पहुंच गेल जे हम पछुआ गेलहुं। आन राज्य आगू बढि़ गेल। इ संदेश पिछला 15 साल स कियो नहि द रहल छल। पूरा बिहार स्थिर छल। ओकरा हकीकत भ चुकल बहुत चीज सपना लगैत छल। चाहे ओ चारि लेनक सड़क हुए या शौपिंग मॉल। एहि बीच जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा शुरू केलथि त ठमकल जल जे दूषित भ चुकल छल ओहि मे प्रवाह आइल आ पूरा समाज हुनकर सामने जागृत भ गेल। समाज कए ‘अपडेटÓ करबा मे लागल ओ तमाम लोकनि कए एकटा एहन शक्ति भेटल जेकर आशा कियो नहि केने छल। सवाल इ अछि जे समाज कए ‘अपडेटÓ करैय वाला पहिने नहि छल? पहिने सेहो छल, मुदा हमर-अहांक चारूआत पसरल भ्रष्टïाचार रूपी कुसंस्कृति क आगू दबि गेल छल। आब हिनकर संख्या बढ़त आ इ एकटा नव जोश स समाज कए बदलबा मे जुटताह। जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हिनका सबहक बीच अएलाह, त पूरा समाज विकास क नव रूप देखलक, समाज मे एकटा नव आश जगल, हम सब विकास क पटरी पर दौड़ लगेबा लेल तैयार हुए लगलहु। लोग-वेद मे सब दिस विकासक चर्चा होए लागल। किछु दिन पहिने क गप अछि, जखन हमर सबहक अपराध, भ्रष्टïाचार आ पता नहि कि-कि आओर सुनइ कए भेटैत छल, मुदा आई सब दिस केवल आ केवल विकासक चर्चा सुनबा मे आबि रहल अछि। विकास ओहन, जेकरा लेल हम सब सपना मे सेहो नहि सोचि रहल छलहुं। ओ गाम, जे सड़क स पूरा कटल छल, आई ओ गाम चारि लेनक सड़क से जुडि़ गेल अछि।
पिछला किछु माह स राजनीतिक स्तर पर जे एकजुटता देखबा मे आइल ओकर पाछु सेहो आम जनता छल। लालू, नीतीश आ पासवान आब बिहारक स्तर पर अलग-अलग राग नहि राखि सकैत छथि। जनताक स्पष्टï राय अछि जे राज्यक विकास लेल तीनू नेता एकजुट भ जाउ। आगामी लोकसभा चुनाव मे सेहो इ एकटा प्रमुख मुद्दा बनत। बिहार आब अपन चिंता करैत अछि। बिहार मे नीतीश कुमार अपन नीति स्पष्ट कए चुकल छथि। ओ केंद्र मे राजनीति नहि करताह। ओ पूर्णरूप स बिहार मे राजनीति कए एकटा इतिहास लिखबाक काज केलथि अछि। कहबाक तात्पर्य इ अछि जे बिहार मे राज्य स्तरक नेता आइ धरि राष्टï्रीय राजनीति करैत छल, मुदा आइ राष्टï्रीय स्तर पर राजनीति क चुकल नीतीश कुमार राज्यस्तर पर अपना कए स्थापित कए चुकला अछि। इ बिहार लेल सबस पैघ गप अछि। कनि स्मरण करू बाबूजगजीवन राम कए, जे बिहार स राजनीतिक यात्रा शुरू केलक बाद पंजाब आ हरियाणाक स्तंभ भ गेलाह आ ओहि ठाम ‘बाबूजीÓ नाम स प्रसिद्घ भ गेलाह। बाबूजीक कृपा एहन रहल जे हरियाणा देशक विकसित राज्य बनि गेल। श्रीकृष्ण सिंह स लालू प्रसाद तक सब अपना कए राज्य स बाहर निकालबाक प्रयास मे रहल। इ अलग गप अछि जे किछु अपबाद सब ठाम रहैत छैक। बिहार कए केंद्र मे राखि राजनीति करबाक नीतीश कुमारक नीति हुनका कान नेता स अलग करि रहल अछि। इ कोनो दिस स उपराष्टï्रवाद या क्षेत्रवाद नहि अछि। इ ओ राजनीति अछि, जे वंशीलाल, ज्योति बसु आ चंद्राबाबू सन नेता करैत एलथि अछि।

Tags: Biharmaithilinitishpatna

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post

बीमारू नहि रहल बिहार

Esamaad Epaper Website

एक बूंद नहि खून बहल देखल गेल नहि बाहुबल

Esamaad Epaper Website

जमानतो नहि बचा पउलथि कई टा दिग्गज

Comments 5

  1. गजेन्द्र ठाकुर says:
    16 years ago

    धरगर सम्पादकीय। समादक नव रूप अद्वितीय।

    Reply
    • CA. Mukesh Kumar Mishra says:
      16 years ago

      Excellent… maithili me epaper badhiya achhi..nitish kumar badhiya kaj k’rahal chhathi…prasansha hebak’ chahi…mithalnchala’k sandarbh me samachar naganya bujhna ja rahal achhi…gam gharak lok wed ke shamil karu..

      Reply
    • Prasanna Kumar Thakur says:
      16 years ago

      Bahut prasannta hoit achi jakhani Maithili aur Mithilak Sugandh TV aur Computer par abait achi, Ahik lel uttardai sabh byakti ke hamar subhkamnak sang safaltak akanksha.
      Prasanna Kumar Thakur
      767,L.I.G, DDA Flat,
      Pocket-B, Sector-14,
      Dwarka, New-Delhi-75

      Reply
  2. sanjay says:
    16 years ago

    PRAYASAK SARAHNA SHABD MEIN KENAI SHAMBHAV NAHI ……LAGI RAHAL AICHH JE MONAK BHITAR MEIN BAISAL BHAWNA SAB KE VYAKT KARBAK SAMAY AABI RAHAL AICHH…
    GAAM SA DOOR JIVIKA,PRANT KE NAAM PAR BHED BHAAV AA CHHOT CHHOT AHEN BAHUT RAS BAAT SA MON MEIN KACHOT HOIT RAHAIT AICHH…
    HAMAR SUBHAKAMNA SAMAD SA JURAL HAREK VYAKTI KE…..HATS OFF TO YOU SAMAD TEAM……..

    Reply
  3. dhamakar thakur says:
    16 years ago

    Ham Maithili me type nhee kay pabit chee muda anhak vichar sateek aa kichhu khojee rahit achee. jagjivanramk Hariyan kendra hmnra bujhal nahee chhal.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि