• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार फेर स बदनाम भ गेल

October 28, 2013
in विचार
A A

369988_100000725674375_165472251_n

ज्ञानेश्‍वर

सीरियल ब्‍लास्‍ट क स्‍याह क संग हुंकार रैली खत्‍म भ गेल । राजनीति आब ब्‍लास्‍ट क होएत । खून त भेल । सच अछि, रैली कोनो रिकार्ड नहि बना सकल । जेपी सन सभा क गप बेमानी अछि । जदयू क अधिकार रैली मे गेल नहि रहि ताहि लेल तुलना नहि करब । गांधी मैदान आइ कखनो नहि भरल । शासनकाल मे लालू क रैली क काबिलियत सेहो आइ रैली स धुंधला नहि भेल । ओना भीड़ आ रिकार्ड क गप आब हम नहि करब । संभव अछि ,पटना जंक्‍शन पर दस बजे क पहिने ब्‍लास्‍ट नहि भेल रहिते त पटना क लोक घर स निकलि कए इतिहास रचि द सकैत छलथि । तखनो लगातार होइत बम धमाका आ मौत क खबर क बादो पैघ संख्‍या मे लोक मोदी कए सुनबा लेल मैदान मे डटल रहल । जान क परवाह केने बिना। एहन मौजूदगी कए बिसरल नहि जा सकैत अछि। रैली क चर्चा आब कम,विस्‍फोट क बेसी होएत । विस्‍फोट के केलक किया केलक , आगू एहि पर जमि कए राजनीति होएत । नहि नरेन्‍द्र मोदी करौलथि आ नहि नीतीश कुमार एहन काज करा सकैत छथि । हां,प्रशासन रोकबा मे नाकाम रहल । केन्‍द्र इ कहि कए तुरंत पल्‍ला झाडि लेलक जे हम राज्‍य सरकार कए पहिने सतर्क क देने रही । एनएसजी/एनआईए क टीम पटना आबि गेल अछि । तय मानू इ विस्‍फोट राष्‍ट्रीय मुद्दा बनत। चुनाव मे मरनिहार क पोस्‍टर देखबा लेल भेटत, पर्चा मे ओकर नाम छपत । भाजपा/जदयू दूनू एक-दोसर पर वार करत। खुफिया एजेंसी कए इंडियन मुजाहिद्दीन कए सेहो टटोलबाक चाही। बहरहाल,हमर मन एहि स दुखी अछि जे बिहार फेर स बदनाम भ गेल।

मोदी केलथि बुधियारी – बक-बक करनिहार लोकक गप सुनि दंग छी, किछु लोक कहि रहल छथि जे विस्‍फोट आ एहि मे भेल मौत क बाद नरेन्‍द्र मोदी कए शोक-संवेदना/मौन श्रद्धांजलि क बाद भाषण नहि देबाक चाहैत छल । मंच स विस्‍फोट पर किछु नहि बजबा पर सेहो किछु लोक हुनकर खिंचाई क रहल अछि । हमर मानब अछि जे नरेन्‍द्र मोदी एकदम उचित फैसला केलथि । अगर ओ किछु मंच स धमाका क संबंध मे बाजल रहितथि बा बिना किछु बजने चलि गेल रहितथि त एहन उन्‍माद कायम भ गेल रहिते जेकरा थमबा लेल कोनो प्रशासन असमर्थ अछि। जगह-जगह उपद्रव भ रहल होइते । फेर बक-बक करनिहार लोक कहितथि जे मोदी दंगा करा देलथि । कनि सोचू लगातार बम फटलाक बाद सेहो ओहि ठाम केतबा पैघ संख्‍या मे लोक मोदी कए सुनय लेल डटल छल । इ त मंच संचालक क बुधियारी रहल जे ओ बम कए पटाखा बताकए नहि छोड़बाक अपील करैत रहलाह । नहि त अगर ओहि ठाम स बम धमाका क सूचना द देल गेल रहिते त भगदड़ तय छल आ गांधी मैदान मे लाश गिनब कठिन भ जइते। शुक्र कहू जे मोदी क भाषण सुनलाक बाद लोक जतए स आयल छलाह ओतहि शुभ-शुभ लौट गेलथि। नेता स अपील करैत छी जे ओ किछु बयान दथि त सोचि कए दथि । मामला बहुत नाजुक अछि आ बिहार कए शांति क जरुरत अछि । ओना नरेन्‍द्र मोदी बाद मे ब्‍लास्‍ट मे मरनिहार क प्रति श्रद्धांजलि अर्पित क देलथि अछि । रणनीतिक हिसाब स बहुत कठोर ब्‍लास्‍ट क बारे मे एखन नहि बाजलथि अछि। ओना ब्‍लास्‍ट वोट क ध्रुवीकरण कए बढ़ाउत। कहि सकैत छी जे विस्‍फोट जे करौलक ,फायदा त नरेन्‍द्र मोदी कए भेटत । हिन्‍दू गोलबंदी मे बढ़ोत्‍तरी होएत । मोदी कए जे कहबाक छल कहि कए चल गेलथि। आगू क राजनीति बिहार भाजपा करत । बचाव जदयू कए करबाक अछि । मरनिहार क गाम चुनाव तक नेता लेल ‘तीर्थ-स्‍थल’ बनल रहत । बिहार बंद क एलान त कखनो भ सकैत अछि।

सरकार नीतीश क अछि – सरकार नीतीश कुमार क छी त दोष सेहो नीतीश पर मढ़ल जाएत। चूक कतए भेल,नीतीश कुमार कए देखबाक अछि । देखबा मे देरी भेल त खामियाजा सेहो वोट क जरिये भेटत । नीतीश कुमार ओना बिना देर केने मुआवजा क घोषणा क देलथि अछि । ब्‍लास्‍ट पर नीतीश कुमार क बयान सेहो आबि गेल अछि । नीक अछि,एखन आतंकवादी क हाथ हेबाक ओ नहि त स्‍वीकार केलथि अछि आ नहि त खंडन केलथि अछि। बस एकरा बिहार पर कलंक आ ककरो नहि छोडबाक आश्‍वासन देलथि अछि। नीतीश कुमार ओहन नेता त नहि छथि जिनका पर इ आरोप लगा देल जाए कि एहन साजिश ओ करा सकैत छथि। ठीक छै,सीरियल ब्‍लास्‍ट सुरक्षा क बंदोबस्‍त क पोल खोलि देलक अछि । मुदा जांच एजेंसी कए महत्‍वपूर्ण सुराग सेहो भेटल अछि । पटना जंक्‍शन पर पहिल ब्‍लास्‍ट क समय कोनो संदिग्‍ध पकड़ल गेल छल । बलवाइ क जमात क कारण पूरा एकटा समाज एकबेर फेर लज्जित हेबाक स्थिति मे अछि ।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

आब खाली ‘सेफ स्‍लीपिंग बेड’ नहि रहल – कांग्रेस आ जदयू क किछु बड़बोला नेता ब्‍लास्‍ट क तुरंत बाद जाहि गति मे सीधा आरएसएस पर निशाना साधबा मे लागि गेलथि ओ मोदी आ नीतीश स एकदम विपरित छल । ब्‍लास्‍ट कए अहां केवल फायदा/नुकसान स नहि मापू । एहन कृत्‍य आतंकवादी कए न केवल बचबा क मौका द दैत छैक ,बल्कि बढ़ावा सेहो दैत छैक । कसूरवार कए सामने आबै दियउ । बिहार सरकार कए कमजोर नहि देखेबाक चाही । ओनाओ देश भरि क धमाका मे जखन ‘बिहार माड्यूल’ क चर्चा होइत अछि त प्रांत बदनाम होइत अछि। सही अछि ,सरकारी स्‍नेह आतंकी कए बिहार मे ‘ सेफ स्‍लीपिंग बेड’ क सनेस देलक अछि । यासीन भटकल क गिरफ्तारी स ल कए तहसीन अख्‍तर क फरारी क कहानी बिहार स जुड़ल अछि।

जागू, उठू , बाजू बिहार – बिहार कए आब जागै पडत। कार्रवाई क मामला मे वोट क राजनीति क त्‍याग करै पडत । अपने देखू,बिहार आतंकी लेल आब केवल ‘सेफ स्‍लीपिंग बेड’ नहि अछि । ओ ऐक्‍शन कए अंजाम द रहल छथि। आतंकी बोधगया मे ब्‍लास्‍ट क चुकल छथि। पटना मे सुरक्षा-व्‍यवस्‍था क पैघ इंजामात रहैत सीरियल ब्‍लास्‍ट भ गेल । आगू आओर पैघ रैली बिहार मे हेबाक अछि,से समय रहैत सब कियो चेत जाउ । वरना,बम कतहु न कतहु भेटैत रहत, फूटैत रहत।

बढल रुतबा – कोनो शक नहि जे बिहार भाजपा मे सुशील कुमार मोदी क कद सबस पैघ अछि । हुंकार रैली मे सेहो इ देखबा लेल भेटल । मुदा नरेन्‍द्र मोदी किछु आओर नेताक रुतबा सेहो बढ़ा देलथि । जखन ओ बाजि रहल छलाह,त नंदकिशोर यादव क नाम लेलथि । हिनकर नाम लेब तय छल। राजीव प्रताप रुढ़ी स सीधा संवाद क गप स्‍वीकार केलथि । कहलथि,किछु मास पहिने लालू प्रसाद क संग भेल दुर्घटना क खबर रुढ़ी देलथि । रुढ़ी क फलक त पैघ अछि से सब कए बुझल अछि । मुदा नीतीश कुमार क संग रहि कए मजबूती स ‘नमो-नमो’ क डंका बजेनिहार अपन गिरिराज सिंह आ अश्विनी कुमार चौबे कए ओ नहि बिसरलथि। ठीक स अहसान चुका देलथि । कहला जे जखन नीतीश कुमार हमरा प्रचार लेल बिहार एबा स रोकि रहल छलाह तखन गिरिराज सिंह क आदेश आ अश्विनी कुमार चौबे क हुक्‍म एबा लेल भेट रहल छल। मोदी क मुंह स अपन नाम सुनि कए इ सब प्रसन्‍न भेलथि,मुदा कईटा नेता अपन नाम नहि सुनि उदास भ गेलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

आखिर कहिया होएत हमरा अपन धरोहर क चिंता

बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Comments 2

  1. ashok jha says:
    12 years ago

    bahoot nik

    Reply
  2. Rajeev says:
    12 years ago

    बहुत सही लिख्लोऊ ….. अपनेक सब http://www.mitbureau.com/blog/ के लाइक करब …… ये धिया-पुता के शिक्षा ले एकटा प्रयास ऐस्च ..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि