• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

आखिर कए बना देलक मुसहर कए एहि ठाम नक्सली

October 6, 2009
in संपादकीय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

खगडिय़ा स लौट कए ममता शंकर
अमौसी नरसंहार क बाद इ प्रश्न खगडिय़ा क सब ठाम मुंह खोलने अछि जे आखिर मुसहर कए एहि ठाम नक्सली कए बना देलक। बिहार मे आई जेकरा लग जमीन छैक ओ महादलित (मुसहर) कए नक्सली मानबा लेल लेल मन स तैयार नहि अछि, लेकिन परिस्थिति एहन बनाउल जा रहल अछि जे सब मुसहर आइ नक्सली नजरि अबैत अछि। खगडिय़ाक डीएम अभय कुमार सिंह कहैत छथि जे मुसहर हथियार नहि उठा सकैत छथि। हथियार बनिकए इस्तेमाल जरूर भ सकैत छथि। नीतीश सरकार हाल मे महादलित कए मनेबा लेल कईटा घोषणा केलक अछि। एहि घोषणा मे भूमिहीन लोक कए भूमि उपलब्ध करेबाक गप सेहो कहल गेल अछि। ‘किछु लोकÓ जमीन दिएबाक प्रलोभन द कए महादलित कए अपन हथियार बना लेलथि आओर परदा क आड़ मे राजनीतिक स्वार्थ सिद्धि क खेल खेलाइत रहलथि। नरसंहार क बाद शातिर दिमाग क इ ‘गरीबक भगवानÓ पीडि़त परिवार क सेहो सहानुभूति बटोरबाक कोशिश केलथि।
सरकारी आंकड़ा बतबैत अछि जे राज्य क छोट सन जिला खगडिय़ा मे महादलित मुसहर क आबादी सर्वाधिक अछि, मुदा बिडंबना इ अछि जे जमींदार क जमीन पर मजदूरी करैत-करैत हिनकर कईटा पुश्त गुजरि गेल। मुदा आइ सेहो हिनका लग मे घर बनेबा लायक जमीन उपलब्ध नहि अछि। सर्वेक्षण मे इ गप सामने आईल जे सात प्रखंडवाला खगडिय़ा जिला मे 28 हजार 929 महादलित परिवार क लग मे अपन घर नहि अछि। बहिष्कृत हितकारी संगठन क संचालक संजीव डोम कईटा महादलित बस्ती मे जा कए इ सर्वेक्षण केलथि अछि। सर्वेक्षण मे जे तथ्य सामने आयल अछि, ओ हैरान करैत अछि। अधिकतर महादलित क लग मे बचत क नाम पर दस टका तक नहि अछि। अगर हुनका खेत मे काज नहि भेटैत अछि त आइ सेहो ओ केकड़ा, घोंघा खाकए अपन दिन काटि लैत छथि। नरसंहार क बाद भूमिपति कए सबटा मुसहर मे नक्सली नजरि अबैत छैन। एहन माहौल बनि गेल अछि जे मुसहर कए नक्सली कहि कए इंगित कैल जा रहल अछि। किछु एहने गप महादलित विकास मंच क राजेश सदा सेहो कहैत छथि। हुनकर कहब अछि जे नीतीश सरकार मे जे नव राजनीतिक समीकरण बनि रहल छल ओहि समीकरण कए ध्वस्त करबा लेल अमौसी नरसंहार कए अंजाम देल गेल अछि।
एतबा त सच अछि जे किछु लोकक शातिर दिमाग पूरा इलाकाक दिनचर्या बदलि देलक अछि। अमौसी मे पुलिस कैंप अछि, तखनो खौफ कायम अछि। नरसंहार क बाद अलौली क तीनटा स्कूल पुलिस छावनी में तब्दील भ चुकल अछि। पुलिस क भय स बच्चा स्कूल नहि जा रहल अछि। सोमदिन मध्य आ उच्च विद्यालय अलौली मे बच्चा क उपस्थिति नगण्य रहल। किछु बच्चा स्कूल त आयल, मुदा क्लास रूम मे पुलिस क कब्जा देखि लौट गेल। छात्र क कहब अछि जे 8 अक्टूबर स अर्धवार्षिक परीक्षा अछि। एहन मे केना द सकब परीक्षा।
इचरूआवासी रहैत छथि इचरूआ में मुदा हुनकर खेती अमौसी मे अछि। रतन देवी कहैत छथिए, ‘हमसब त केवल पाइन इचरूआ क पीबैत छी, पेट त अमौसी स भरैत अछि ।Ó महिला सब कहैत छथि जे खेत मे काज करबा लेल ओ प्रतिदिन भोर मे अमौसी जाइत छलीह आओर सांझ तक घर लौटैत छलीह। मुदा आब त मौगीक गपे छोड़ू पुरुषो तक ओइ कात जेबा स हिचकि रहल छथि। पारो देवी क कहब अछि जे सुरक्षा नहि भेटत त भीख मांगिकए खाइ पड़त। भगवती सबटा जनैत छथि, जे इ काज केलक अछि ओकरा जरूर सजा भेटत।

‘मुसहर क लग मे घर बनेबा लेल एक धूर जमीन तक नहि अछि। खगडिय़ा जिला मे 28,929 महादलित परिवार क सदस्य गरीबी रेखा क नीचा जीवन यापन करबा लेल विवश अछि। एहि परिवार क वार्षिक आय 12 हजार टका स कम अछि। एहन मे मुसहर स हथियार उठेबाक कल्पना नहि कैल जा सकैत अछि।’
अभय कुमार सिंह, खगडिय़ाक डीएम

Tags: bihar. patnaखगडिय़ा
ShareTweetPin

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

विवि शिक्षक कए भेटल सनेस

Esamaad Epaper Website

राज्यकर्मी कए भेटल पांच फीसदी आओर महंगाई भत्ता

Esamaad Epaper Website

हटाउल गेल स्वास्थ्यकर्मी बहाल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि