• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दुस्साहस क एक डेग आओर

January 15, 2014
in विचार, संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020

कुमुद सिंह
एकटा दुस्‍साहस छल मैथिली मे इपेपर क शुरुआत। आइ समाद अपन आठम डेग पूरा केलक। 2007 स 2008 धरि इ सपनाक काल छल, सब दिन किछु नहि किछु नव विवाद, नव समाधान आ नव चुनौती अबैत रहल। 2008 मे जखन समाद नेट पर देखार भेल त हम सब चहकि उठलहुं। ओ क्षण जीवन मे फेर नहि आउत। पत्रकारिता स दूर, शिक्षाक कोनो प्रमाणपत्र नहि, योग्‍यताक नाम पर केवल जोश आ सामने एकटा एहन विशाल लक्ष्‍य जेकर कोनो अंदाजा नहि। 2007 मे मैथिली क प्रति चारुकात घोर निराशाक भाव छल। ऊपर स पत्रिकाक अकाल आ पुरान अखबार क त कोनो नमूना तक ककरो दलान पर नहि भेटल। एहन मे पत्रकारिताक पाठ कोना पढब, की पढब आ के पढाउत, बहुत रास सवाल छल। तकनीक क नाम पर किछु ज्ञात नहि छल। एकटा कंप्‍यूटर घर मे छल जे सफाई करबा लेल छू लैत रहि। मुदा समयक संग सबटा होइत गेल। सखी लोकनिक टोली बनल। कंपोज, अनुवाद, खबरक चयन आ पेज बनेबाक जिम्‍मा अलग अलग लोक कए देल गेल। अपन अपन जिम्‍मा सब कुशलता स निभेबाक प्रयास कैल। 2009 मे जखन इसमादक रूप मे नव मंच भेटल त काज आओर सुभितगर भ गेल। एहि बाट पर बहुत लोक संग भेलथि आ बहुत अलग भ गेलथि, मुदा सबहक योगदान बराबर अछि। आइ इसमाद अपन कंटेंट आ समाचारक चयन लेल अलग पहचान बना लेने अछि। हमर एकमात्र इ उपब्धि कहल जा सकैत अछि। पिछला यात्रा पर अगर ध्‍यान केंद्रित करि त इसमाद जे मसला उठेलक ओ तत्‍कालीन पत्रकारिता क प्राथमिकता मे नहि छल, मुदा समयकाल इ साबित केलक जे ओ मसला पत्रकारिता क प्राथमिकता मे हेबाक चाहैत छल। संसाधनक अभाव क बावजूद इसमाद अपन यात्रा मे निरंतरता बनेने रहल। समय समय पर पैघ पत्रकार सब इसमाद क शोध आ रिपोर्ट कए उल्‍लेख करैत रहलाह। हमरा सब लेल इ एकटा आशिर्वाद जेना अछि। इसमाद क एक एक दिन मैथिली पत्रकारिताक नव इतिहास रचैत अछि। हमरा स नीक, हमरा स पैघ आ हमरा स पुरान बहुत बटोही भ सकैत छथि, मुदा इतिहासकार लिखबा काल हमरा सब कए उल्‍लेख करताह तेकर उम्‍मीद जरूर करैत छी। आगू फेर कखनो…। देखैत रहूं इसमाद डॉट कॉम।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

शुरू भेल ऐतिहासिक बलिराजगढ़ क खुदाई

Esamaad Epaper Website

मोकामा में बनत पहिल निजी औद्योगिक परिसर

Esamaad Epaper Website

बजट स पूर्व होएत पटना मेट्रो लेल निविदा

Comments 1

  1. अनुप सत्यनारायण झा says:
    11 years ago

    रैयाम चीनी अशोक पेपर
    IIIT मुद्दा तो पुराना है !

    पर युँ ही मिथिला के
    सवालों को भूलना भूलाना है!!

    कहाँ है मिथिला उद्योग
    क्या किसी ने कभी जाना है?

    भाई अभी मुझे माफ़ करो
    रिश्तेदारों को जिताना है !!!!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि