• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हाजिर छी हम : भविष्‍य काल स वर्तमान काल तक क यात्रा

January 15, 2012
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019


विशेष संपादकीय / सुषमा
इ समाद आइ एक साल आओर पूरा करि लेलक। निश्चित रूप स जखन इ शुरू केने रहि त एकटा सपना देखने रहि आ लोक कए सेहो सपना देखेबाक कोशिश केने रहि। बिहार मे समाचारक नाम पर केवल घोटाला, अपराध आ राजनीतिक आरोप-प्रत्‍यारोप छपैत छल। अखबार एकटा धंधा बहुत पहिने बनि गेल अछि एहन मे बिहारक किछु पत्रकार क इ दावा जे बिहार मे खून बिकाइत अछि आ अखबारक प्रसार बढेबा लेल अपराध कए प्रमुखता देब मजबूरी अछि, हमरा सब कए स्‍वीकार नहि छल। टुटल सडक, अपराध आ असभ्‍य समाज बिहार क नाम पर दुनियाक सामने परोसल जा रहल छल। कोनो समाज मे नीक आ अधलाह दूनू क्रिया होइत अछि, मुदा बिहार एकटा पैघ समय एहन देखलक जाहि मे ओकर नीक काज दिस कियो देखबाक कोशिश नहि केलक। समाचाक अर्थ स देखल जाए त सामान्‍य भ चुकल घटना समाचार नहि मानल जाइत अछि। जेना कुत्‍ता आदमी कए कटलक समाचार नहि कहल जाइत अछि, मुदा आदमी कुत्‍ता कए कटलक इ समाचार कहल जा सकैत अछि। बिहार मे अपराध, घोटाला आ रंगदारी सामान्‍य घटना भ गेल छल। एहन मे अगर कतहु एहि स विपरित काज भ रहल छल त ओ हमरा सब लेल समाचार भ गेल छल। बदलाव क आहट स सुनि रहल छलथि, मुदा विश्‍वासक कमी सबहक कलम रोकि दैत छल। इ एकटा जुआ जेकां छल। एक टा सपना जेकां छल। आखिर भविष्‍य की होएत ओकर प्रमाणिता त समय क संग भेट सकैत अछि आ कोनो काज या योजना एक दिन मे जमीन पर नहि आबि सकैत अछि। समाद परिवार इ सपना देखलक आ सपना पर विश्‍वास केलक जे बिहार मे बदलाव भ रहल अछि। जेना जेना घोषणा जमीन पर उगैत गेल, इसमाद क विश्‍वसनीयता बढैत गेल। आइ हम इ कहबा लेल तैयार छी जे हम सबटा गप भविष्‍य काल मे नहि वर्तमान काल मे सेहो क रहल छी। एकटा समय एहन जरूर छल जखन मे लिखबा लेल मजबूर छलहुं जे ”होएत”, मुदा आइ ओहि स स बहुत ”भ गेल” तक पहुंच चुकल अछि। ”होएत” स ”भ गेल” तक पहुंचबाक गति जरूर मध्‍यम रहल, मुदा ओ झूठ नहि छल। सबटा सपना सच नहि भेल मुदा सपना किछु एहनो रहल जे सच भ सामने अछि। आइ बिहार क अखबार मे योजना पहिल पन्‍ना पर जगह पाबि रहल अछि। अखबारक प्रसार बढि रहल अछि। निश्चित रूप स बिहार मे केवल खून नहि बिकाइत अछि।अपराध आ राजनीति कोनो समाजक एकटा अभिन्‍न अंग अछि। ओकर बिना कोनो समाजक कल्‍पना करब बेमानी अछि। बिहार मे सेहो अपराध आ राजनीति समाचारक महत्‍पूर्ण हिस्‍सा अछि। मुदा आजुक अखबार एकरा नजरअंदाज क रहल अछि। सरकारक पैघ स पैघ गलती बिहारक अखबार स ओहिना गायब अछि जेना पहिने सरकारक पैघ स पैघ उपलब्धि गायब छल। इसमाद समय समय पर सरकार क नीति क आलोचना करैत रहल अछि, जे आगू सेहो जारी रहत। मुदा सरकारक आलोचना क बीच ओ उपलब्‍धि कए नजर अंदाज नहि कैल जा सकैत अछि जे बिहारक समाज अर्जित क रहल अछि। औद्योगिकीकरण क मोर्चा पर छोट सन मुदा दूरगामी सफलता बिहार कए एहि साल भेट रहल अछि। इ एकटा एहन क्षेत्र अछि जाहि मे एखनो एकर गति स बेसी एकर सक्रियता पर बहस हेबाक चाहि। जाहि ठाम उद्योग लागब एकटा सपना भ गेल छल ओतहि कईटा इकाइ उत्पाद शुरू करबाक तैयारी मे आबि चुकल अछि। ब्रिटेनिया आओर बंसल बिस्किट्स क अनमोल ब्रांड बनब एहि मास स शुरू भ गेल अछि। पार्ले-जी बिस्कुट क उत्‍पादन सेहो शुरू भ गेल अछि। बांका में बिजली क एकटा निजी इकाई एहि साल स उत्पादन शुरू करत। एकर अलावा दूटा चीनी मिल आ किछु फूड प्रोसेसिंग क इकाइ सेहो एहि साल स उत्‍पादन शुरू क रहल अछि। रोहतास मे रूचि सोया अपन वेजिटेबुल आयल इकाई में मार्च तक उत्पादन शुरू करत। आरा में लागल सुमन एग्रोटेक क इकाई सेहो उत्‍पादन शुरू करबाक घोषणा क देलक अछि। बांका में ‘जास इंफ्रास्ट्रक्चर’ द्वारा शुरू कैल जा रहल विद्युत प्लांट क 660 मेगावाट मे स 500 मेगावाट बिहार कए भेटत। एहि स राज्‍य मे बिजली संकट त दूर नहि होएत मुदा किछु सुधार जरूर होएत। चीनी निगम क बंद पडल सुगौली आ लौरिया मे उत्‍पादन शुरू भ चुकल अछि। साल क अंत तक रैयाम आ सकरी चीनी मिल में सेहो उत्पादन शुरू भ सकैत अछि। एहन मे कहल जा सकैत अछि जे पिछला किछु साल मे हम बिहारक ओ भविष्‍य देखेबा मे बहुत हद तक सफल भेलहुं अछि जे वर्तमान मे अहां देख रहल छी।

Tags: इसमादबिहारमिथिला

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post

भागलपुर मे रेडियो एफएम क शुभारंभ

Esamaad Epaper Website

समाज चाहत तखने बचत धरोहर

Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल एकटा आर कोरिडोर

Comments 1

  1. Rajeev Kumar Jha says:
    13 years ago

    Great Initiatives, Please Keep it up, A heartiest Congratulation on Compleating Successful Year.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि