• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीतीशक धाक पर भारी पडि रहल लालूक दाग

May 15, 2016
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

अपराध कोनो समाज और सत्ता लेल एकटा चुनौती होइत अछि। हाल क किछु घटना स बिहार क छवि एक बेर फेर अपराधयुक्त प्रदेश क बनि रहल अछि। नीतीश क सुशासन पर एहि स पूर्व एतबा गंभीर सवाल पहिने कहियो नहि उठल छल। एक कए बाद एक घटना स सब कियो स्तब्ध अछि। पुलिस कार्रवाई क रहल अछि, मुदा अपराध बढ़ल किया ताहि पर सब चुप अछि। सरकार केवल इ कहि कए नहि बचि सकैत अछि जे हम अपराधक बाद कार्रवाई क रहल छी। सरकार आ पुलिस क एकटा धाक होइत छै, जे बिहार मे एक बेर फेर खत्म भ रहल अछि। कतहु नहि कतहु अपराध करनिहार कए इ भरोस दियाउल जा रहल अछि जे अहां कए बचा लेल जाइत। बिहार मे संगठित अपराध स ल कए पटनाक सड़क पर छिनतई तक फेर स शुरु भ गेल। अचानक बढ़ल एहि अपराधक पाछु की कारण अछि इ त शोधक विषय अछि, मुदा नीतीश कुमारक धाक कतहु नहि
कतहु लालू प्रसाद क दाग पर कमजोर पडि़ रहल अछि। जाहि प्रकार स अपराध क चरित्र आ क्षेत्र सामने आबि रहल अछि, ओहि स संदेह बहुत रास उत्पन्न भ रहल अछि। एहन मे कहल जा सकैत अछि जे बिहार मे बढ़ल अपराध लेल नीतीश कुमार क कार्यशैली मे आयल बदलाव मुख्य रूप स जिम्मेदार अछि। निश्चित रूप स नीतीश कुमार आ तेजस्वी यादव लेल इ एकटा अग्रिपरीक्षा अछि। खास क तेजस्वी कए अपन पिताक छवि स अलग अपन छवि गढबाक इ समय अछि। तेजस्वी लेल इ सबस कठिन समय अछि, अगर ओ एहि समय क उपयोग अपन छवि गढबा मे करताह त निश्चित रूप स हुनकर कद एकटा पैघ नेताक रूप मे स्थापित भ जायत। सबस पैघ सवाल अछि जे बिहारक एहि आपराधिक घटना सब स एक बेर फेर बिहार सिंड्रोम उभरि कए सामने आबि गेल अछि। जेकर प्रमाण राजस्थान मे देखबा मे भेट रहल अछि। गया मे आदित्य हत्याकांड क भांति राजस्थान क कोटा मे सेहो युवकक आपसी झड़प मे बिहार क नवादा क प्रिंस क धारदार हथियार स हत्या क देल गेल। पुलिस स्टेशन स महज आधा कोस दूर भेल एहि घटना मे पुलिस क उदासीनता सामने आबि रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे पुलिस क उपेक्षापूर्ण रवैया क कारण घायल प्रिंस कए समय पर अस्पताल नहि पहुंचाओल जा सकल आ ओकर मौत भ गेल। राजस्थान प्रशासन पुलिस पर कार्रवाई करबाक बदला मे बिहारी पर गुंडादर्गी करबाक आरोप लगा रहल अछि। राजस्थान क भाजपा विधायक त सीधा सीधा बयान द देलथि अछि जे राजस्थान स बिहारी छात्र कए बाहर कैल जाये। ओना राजस्थान मूल कए बिहारी नेता सुशील कुमार मोदी एहि पर आपत्ति दर्ज करा केंद्रीय नेतृत्व स पार्टी क विधायक पर कार्रवाई करबाक मांग केलथि अछि। भाजपा विधायकक एहि बयान स एक बेर फेर इ सवाल बिहारी क समक्ष ढार भ गेल अछि जे भारतीय संघ मे ओकर स्थान कतए अछि। देश अथवा देस आखिर केकर अछि बिहारी। गया क घटना पर सरकार स कार्रवाई करबाक उम्मीद जेतबा आदित्य क परिजन कए अछि, ओतबेे उम्मीद प्रिंस क परिजन कए राजस्थान सरकार स सेहो अछि, मुदा हुनकर आवाज कतहु नहि अछि। किया कि प्रिंस बिहारी अछि आ घटना राजस्थान मे घटित भेल अछि। अपराधक नजरि स देखल जाये त दूनू वारदातक चरित्र एक रंग अछि। एहन मे दूनू सरकार दिस स कैल गेल कार्रवाई एक रंग हेबाक उम्मीद किया नहि कैल जाये। बिहार लग अपन कोनो समाचार मीडिया नहि अछि, जेकर खामियाजा एहि प्रकारक प्रकरण मे साफ देखा जाइत अछि। एक दिस गयाक घटना पर राजस्थान मूलक मीडिया प्रमुख लगातार लाइव साक्षात्कार देखा कए सरकार पर ओहि कार्रवाई लेल सवाल ढार क रहल छथि जे सरकारक हाथ मे नहि बल्कि अदालतक हाथ मे अछि। आदित्यक परिजन इ मानैत छथि जे पुलिस आरोपी कए गिरफ्तार केलक आ पूछताछ मे अपराध स्वीकार करा लेलक, मुदा की सजा सरकार या पुलिस देत। दोसर दिस प्रिंस क परिजन क खबरि नुका देल गेल। मीडियाक एहि प्रकारक कवरेज पिछला तीन दशक स लगातार भ रहल अछि। राजस्थान आ बिहार दूनू ठाम सक्रिय रहबाक दावा करनिहार मीडिया ग्रुप बिहार क लोक कए इ बतेबा मे संकोच क रहल अछि जे राजस्थान सरकार बिहार क बेटा क हत्या पर केहन कार्रवाई क रहल अछि, मुदा बिहार मे कोर्ट हत्या आरोपी कए सजा किया नहि द रहल अछि इ सवाल सेहो सरकार स पूछल जा रहल अछि। मीडिया कोनो राज्यक छवि गढैत अछि आ बिहार एहि मामले मे शुरु स अभागल रहल अछि। कुल मिला कए बिहार एक बेर फेर देशक नजरि मे अपराधयुक्त साबित कैल जा रहल अछि आ हम देश बनेबा मे बटोही बनल छी।

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

सीता क देन छी मैथिलक सहिष्णुता : मृदुला

धरोहर आ परंपरा क प्रति उदासीन अछि मिथिला समाज : कुशवाहा

मिथिलाक सामाजिक अध्ययनक जीवंत दस्तावेज छी सोनदाइक सोहाग : खान

Comments 1

  1. desh says:
    9 years ago

    आखिरकार ईसमाद के मानs परल जे लालूक असर आबि चुकल अछि बिहार में।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि