• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

पिया जी लौट एलाह अछि गाम

November 15, 2012
in फीचर
A A
117
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

कोसी मे पिया मिलन क खुशी सेहो अनैत अछि छठ

पूर्णिया। कोसी क लेल छठ बेबसी क कब्र पर पनपल विरह क खात्मा क सेहो महापर्व छी। राज्यक सर्वाधिक गरीब क्षेत्र कोसी अंचल क महिला क लेल लोक महापर्व छठ एकटा सनेस ल कए अबैत अछि। भगवान भाष्कर क अराधाना क लालसा क संग हुनका एहि मौका पर परदेश मे रहि रहल पति परमेश्वर क सेहो लौटबाक बाट ताकब खत्म होइत अछि। पूर्णिया क धमदाहा प्रखंड क चिकनी क रुक्मिणी देवी छठ क संग पति क बेसब्री स बाट तकबाक प्रश्न पर सकुचा जाइत छथि, मुदा दोहरी खुशी क भाव हुनकर मुंह पर स्पष्ट झलकैत अछि। ठोर त चुप रहल, मुदा आंखि कहलक- पियाजी लौट एलाह अछि गाम। रुक्मिणी
क पति सेहो मकर सक्रांति क बाद पंजाब गेल रहथि। शुक्रदिन राति मे ओ घर लौटलाह अछि। एनाए श्रीनगर प्रखंड क उफरैल वासी उपेन्द्र विश्वास, रामनारायण विश्वास, नेवी विश्वास होली क बाद घर स निकलल रहथि, हुनकर कनिया सेहो छठ पर पति क लौटबाक बाट तकैत रहथि। हिनक लोकनिक कनिया लक्ष्मी, सुगनी आ तेतरी बेहिचक छठ कए दोहरी खुशी देई बाला पर्व मानैत छथि। ओ कहैत छथि जे घर मे छठ क चलते हुनकर (पतिक) एनाई तय छल। हुनके निमित्त छठ होइत अछि। जाहिर तौर पर एहि बहाने हिनकर वियोग सेहो समाप्त भ गेल। करीब ग्यारह माह बाद छठ क मौका पर घर लौटल हरदा गांव क सेमा मंडल सेहो मानैत छथि जे छठ हुनका लेल कनिया-बच्चा स भेंट करबाक बहाना होइत अछि। ओ कहैत छथि जे रोजगार क तलाश मे घर छोड़ब मजबूरी अछि आ छठ मे घर लौटब जरूरी अछि। छठ क दस्तक मात्र स घर लौटबाक बेसब्री बढि़ जाइत अछि।
मजदूर क हित क लेल कार्यरत एकटा संस्था क मुताबिक एहि अंचल क लगभग डेढ़ लाख महिला क पति एहि बहाने नौ स दस माह बाद घर लौटैत छथिन।
गौरतलब अछि जे रोजगार गारंटी योजना क क्रियान्वयन क बादो पूर्णिया, अररिया, किशनगंज, कटिहार, मधेपुरा, सहरसा आ सुपौल जिला मे रोजगार क लेल पलायन क गति थमि नहि सकल अछि। एहि क्षेत्र मे श्रमिक क हित क लेल कार्यरत संस्था हिन्द खेत मजदूर पंचायत क सर्वे रिपोर्ट सेहो एकर प्रमाण अछि। संस्था क रिपोर्ट क मुताबिक प्रत्एक वर्ष औसतन साढ़े तीन लाख मजदूर एहि जिला स रोजगार क तलाश मे अन्यत्र जाइत छथि। एहि मे करीब दू लाख लोग मकर सक्रांति क बाद घर स निकलैत छथि। एहन लोक पुन: छठ क मौका पर घर लौटैत छथि। संस्था क महामंत्री अलीमुद्दीन अंसारी क मुताबिक एहि दू लाख मजदूर मे औसतन डेढ़ लाख मजदूर विवाहित होइत छथि आ हिनकर कनिया मकर संक्रांति क बाद स पिया क बाट तकैत रहैत छथि। अंसारी क मुताबिक चूंकि लोक आस्था क महापर्व क एहि वर्ग मे विशेष महत्व होइत अछि, ताहि लेल इ पर्व हुनकर घर लौटबाक सबस पैघ अवसर होइत अछि।

Tags: Biharchhatkoshimithilanewsकोसीछठपूर्णिया
Share117TweetPin

Related Posts

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
Next Post

भाई-बहिनक प्रेम गाथा छी सामा-चकेबा

बिहार क हेरायल दू टा परिचय

बेकाबू भीड़ पर गोलीबारी लेल अनुमति क दरकार नहि : डीजीपी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि