एक माह क उपरांत समाद एक बेर फेर अहां सबहक बीच अछि। आखिर इ अल्प विरोम किया। एकर पाछु एहि अखबारक मूल चरित्र अछि। आइ समाद परिवार मे पुरूषक संख्या काफी अछि, मुदा मूल रूप स इ गृहणीक अखबार रहल अछि। एहन मे बच्चाक छुट्टी आ करतेबता समाद लेल एकटा छुट्ट्टïीक आधार बनैत रहल अछि। एहन छुट्टïी क विचार सेहो एकटा विद्यालय स आयल। दरभंगाक पब्लिक स्कूल, एहि विद्यालय मे कई साल तक छुट्टीक आधार मिथिला विश्वविद्यालयक छुट्टी पर आधारित रहल। एकर पाछु कारण छल जे माइ-बापक छुट्टïी संग बच्चाक छुट्टी भेला स आसानी होइत अछि आ ओहि स्कूल मे अधिकतर बच्चा कॉलेज आ विश्वविद्यालयक शिक्षक आ शिक्षकेतर कर्मचारिक पढ़ैत छल। पिछला तीन साल स एहि आधार पर समाद एहन अल्प विराम लैत अछि। सब सालक भांति एहि बेर सेहो एहि अल्प विराम क बाद समाद नव जोश आ नव विचारक संग अहां क पहुंचल अछि। बिहारक विकास एक एक मात्र उद्देश्य रहल अछि। एहि मे अहां पूर्ण सहयोग भेटल। बिहार आगू बढ़ल, हमहूं आगू बढ़लहुं।