• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अधिकार रैली स उपजत पिछड़ल राज्‍य क गोलबंदी

November 4, 2012
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा दिएबा क अभियान आगू बढा चुकल छथ्रि। एहि अभियान क तहत आब ओ अन्य पिछड़ल राज्‍य कए सेहो गोलबंद करबा मे जुटताह। रविदिन क अधिकार रैली मे ओ बिहार क संग अन्य पिछडल राज्‍य कए सेहो विशेष दर्जा देबाक वकालत केने छलाह। ओ रैली मे कहने छलाह- जे राज्‍य जाहि मामलाल मे राष्‍ट्रीय औसत स कम अछि ओकरा ओहि मामला मे विशेष राज्‍य क दर्जा भेटबाक चाही। एहन मे राष्‍ट्रीय विकास परिषद मे नव गोलबंदी क संभावना उभरि रहल अछि।
रैली क बाद पत्रकार सब स गप करैत ओ कहला जे बिहार क संग अन्य राज्य सेहो हुनकर एजेंडा मे शामिल अछि। ओ कहला जे ओ केवल बिहार लेल इ मांग नहि क रहल छथि बल्कि एहि दर्जा लेल एकटा मापदंड चाहैत छथि आ देश क सब राज्‍यक समान रूप स विकास भ सकए तेकर पक्षधर छथि। पाकिस्तान क यात्रा स लौटलाक बाद ओ ओहि राज्‍य क फेहरिश्त बनाउताह, जे विकास क मोर्चा पर पिछड़ल अछि। फेर संबंधित राज्‍यक मुख्यमंत्री स गप करताह।
नीतीशक कहब अछि जे समावेशी विकास देश क हरेक राज्य क हक अछि। केंद्र क चलते बिहार आ एहि श्रेणी क दोसर राज्य पिछड़ैत चल गेल। केंद्र सरकार अगर सीधा तौर पर हक नहि देत त एकरा लेल लिए संघर्ष हेबाक चाही आ होएत। कुल मिला कए नीतीश एहि रैली क माध्‍यम स केंद्र क समझ एकटा नव दुविधा त जरूर राखि देलथि अछि। नीतीश विशेष राज्‍यक मापदंड पर सवाल उठा, जतय पिछडल राज्‍य कए गोलबंदी मे जुटलाह अछि ओतहि केंद्र एहि पैघ सवाल क उत्‍तर तकबा मे लागि गेल अछि। एतबा तय अछि जे देश मे आब समान विकास क सिद्धांत पर गंभीर चर्चा शुरु होएत। 68 साल मे बहुत भूगोल बदलि गेल, मुदा विशेष राज्‍य देबा लेल कोनो तय मापदंड एखन धरि सामने नहि आबि सकल। जेकरा भेटल ओकर पात्रता पर सवाल नहि, मुदा जेकरा भेटत तेकरो स कमजोर राज्‍य अछि आ ओकरा किया नहि भेटल एहि सवाल क त केंद्र कए दियए पडत।
जहां धरि रैली क भीड, समय आ लक्ष्‍य मे राजनीतिक सोचक सवाल अछि त राजनीति त बिना मुद्दा क भ नहि सकैत अछि। सब राजनीतिक दल क एहन आयोजन मे अपन स्वार्थ होइत अछि। मुदा रविदिन जदयू जाहि मुद्दा पर रैली आयोजित केलक ओ बिहार लेल नव छल। जदयूक अधिकार रैली रैली बिहार क राजनीति कए एकटा नव दिशा देत, कम स कम एतबा त तय लगैत अछि। बिहार मे आब “लाश पर राजनीति” करबाक मानसिकता स सब राजनैतिक दल ऊपर उठताह आ जाति क नाम पर एहन आयोजन करबाक परंपरा सेहो खत्‍म होएतl
अधिकार रैली स उत्साहित मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क लोक अनुशासित छथि इ त आप सब मानत। रविदिनक रैली मे जे बिहारक जनता अनुशासन क परिचय देलक ओ पूरा विश्‍व देखलक। रैली क बाद आब मुख्यमंत्री पाकिस्तान यात्रा क तैयारी मे जुटि गेलाह अछि। ओ जरूरी कागजात कए देख रहल छथि। भाषण क रूपरेखा पर गौर क रहल छथि। मुख्यमंत्री कहला जे पाकिस्तान क यात्रा पर हुनकर मन मे ललक अछि। सिंधु घाटी सभ्यता कए देखबा मे हुनकर दिलचस्पी अछि। ओ आठ नवम्बर कए पटना स पाकिस्तान लेल प्रस्थान करताह। 16 नवम्बर कए अमृतसर होइत नई दिल्ली धुरताह। ओहि राति ओ पटना लेल सेहो प्रस्थान करताह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post

पुण्‍यतिथि पर जनकवि यात्री कए नमन

Esamaad Epaper Website

वित्त निगम क रूप मे विकसित होएत बुडको

Esamaad Epaper Website

दिल्‍ली पहुंचल बिहार क सुधा

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    13 years ago

    हमर टिप्पणी संभवतः अन्हांमें बहुत लोकके ख़राब लागत
    नीतीश आखिर रैली कय की देखबय चाहैत छलाह
    सत्ताधारी दल के लेल भीड़ जमा केनाई कठिन नहि होइत छैक
    हुनक जे भाषण में हम बिहारक गौरव गाथा सुनल ओहिमे बुद्धा महावीर सब याद रह्लैन्ही मुदा फेर जानकी आ विद्यापति नहि
    विशेष राज्यक दर्ज़ा लेल ओ अविकसित प्रान्तक गुट बनायब तक कही गेलाह – की देश में विभाजन करौताह ?
    विकसित प्रांत कहैत अछि जे अविकसित लेल ओ खर्च नहि करत ने हुनक बढल जनसंख्या लेल ओ सब संसाधन जुटायत आ ताहि हेतु संसद सदस्य आदिक संख्या प्रायः १९७१क जनसंख्या पर फ्रीज़ कय देल गेलैक अछि ?
    हुनक कथन जे समुद्र स दूर लैंडलौक्ड क्षेत्रके दुनिया भरिमे सुविधा भेटैत छैक हुनकर अज्ञानक परिचायक अछि- एक बिहार प्रांत अछि, देश नहि,
    दोसर लैंडलौक्ड पंजाब हरयाणा बिना विशेष राज्यक दर्ज़ा के उन्नति केलक आ समुद्री छोड़ पर रहयबला ओडिशा सेहो पिछड़ा अछि आ बंगाल आ बाग्लादेश. म्यन्मार, तक पिछड़ा अछि?
    नीतीश के आत्मालोचन आवश्यक छनि- जातीय आधार पर वोटरके संगठित आ समाज के विभाजित करक काज समाजवादी पुरोधा लोहिया आ हुनक चेला सब करैत रहल जाहिस बिहार, यु पी पिछड़ा अछि आ संगहि पैघ राज्य हेबाक चलते नेता केन्द्रित भय विकास पर ध्यान नहि दय एम्हर -उम्हर हेलिकोप्टरमे घुमैत रहित छथि आ केंद्र सरकार लग अपन पैघ सुबेदारीक दाबा आब प्रधानमंत्री क दाबा ठोके छथि जाहिस लाभ नहि भेल एही क्षेत्रक जनताके -=देवेगौडा, गुजराल के छोड़ी सब प्रधानमंत्री एहने बीमारू क्षेत्रक भेल ( मममोहन सेहो असामक प्रतिनिधि छथि) ??

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि