• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पांचम डेग – हमर जीवंतता हमर जीत छी

January 14, 2013
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

कुमुद सिंह
इ’समाद आइ अपन पांचम डेग पूरा क लेलक। आइ स इ’समाद अपन भोजपुरी संस्‍करण क सेहो यात्रा शुरू क देलक अछि। गुणवत्ताप आ निरंतरता हमरा सब लेल चुनौती छल आ बहुत हद तक अछि, मुदा पिछला पांच साल मे जे आत्मपविश्वातस आयल अछि ओ एहि चुनौती कए सामना करबा लेल बल प्रदान करत। आइ इ’समाद क इ निरंतरता आ जीवंतता हमर सबहक जीत छी। देखल जाए त समाद क इतिहास 2007 स शुरू होइत अछि, जखन मैथिली मे ब्लॉागिंग क बेसी धमक नहि छल। इ मैथिली क ओहि चंद लोकप्रिय ब्लॉ ग्स मे पहिल छल, जे अपन समय आओर समाज क सब मसला पर हस्तकक्षेप करैत रहल अछि। मिथिलाक छह गोट महिला क हाथ स शुरू भेल समाद परिवार स आइ करीब 20टा महिला आ पुरुष जुडल छथि। लंदन आ दुवई सन स्थाकन पर समदिया मौजूद छथि। समाद परिवार पर मेल टूडे स ल कए सीएनबीसी टीवी-18, प्रभात खबर, जागरण आदि एक स बेसी बेर फीचर क चुकल अछि। इ ‘समाद जहिया जन्मब लेलक तहिया मैथिली पत्रकारिता लुप्त भ चुकल छल। किछु पत्रिका कखनो कखनो बाजार मे देखा जाइत छल। अखबार आ टीवी चैनल सेहो सपना छल। एहन मे इ’समाद कए निर्वाध रूप स जारी राखब सबस पैघ चुनौति छल। भगवतीक आशिर्वाद स इ’समाद केवल निर्वाध जारी नहि अछि बल्कि एकर विस्‍तार कायांतरण होइत रहल। 2009 मे विधिवत वेबसाइट क रूप मे इ’समाद (www.esamaad.com) क कायांतरण भेल। तखनो एकर कार्यशैली आ लेखन शैली विमर्श आ गपशप रहल। सबटा समाद क पाछु भगबा क बदले इ’समाद अपन विजिटर कए क्वाआलिटी कंटेंट प्रोवाइड करबा क जरूरत पर जोर देलक आ दुनिया क हर कोन मे कई हजार लोक इ’समाद पर रोज आवाजाही करैत छथि। जाहि कारण स आइ मैथिली क इ सबस लोकप्रिय साइट मे स एक अछि। अहाँक सहयोग भेटल त ई कागजो पर उतरत। पिछला चारि साल मे एहि अखबार मे संसार मे भेल ओ सब तरहक घटनाक जानकारी देबाक प्रयास रहल जाहि स बिहार बा मिथिलाक संबंध छल, मुदा हमरा मे इ गप कहबाक साहस नहि अछि जे एकर सबटा समाद अहाँकए उचिते लागत होएत। हम एकरो गारंटी नहि ल सकैत छी जे हम सबटा सत्य अहाँ तक पहुँचा देलहुं। जहिया जेहेन जरुरत भेल हम अहाँ तक पहुँचैत रहलहुं। कहबाक मतलब ई जे हम कोनो एकटा अंकक जिम्मेदारी एक बेर मे लेल। हमरा जे भेटल अहाँ तक पहुँचा देलहुं, हम बस नेट पर समदियाक काज कैरत रहलहुं, एहि कारण इ पत्रक नाम इ’समाद राखल गेल छल। हम एहि धारणा कए सेहो खंडित करबाक प्रयास कैल जे बिहार मे समाचार मतलब केवल राजनीति नहि थीक। आर्थिक सामाजिक आ वैज्ञानिक बदलाव पर हम लगातार लिखैत रहलहुं अछि। दुनियाक संग हमहूँ विकास मे संग चलबाक केलहुं, शिक्षा आ कृषि क्षेत्र मे हम कोना आगू बढी सकैत छी, तकर रास्ता देखेबाक सेहो प्रयास केलहुं। इ’समादक सफलता मिथिलाक स्त्री आ गौरवशाली परम्परा क सबूत अछि जाहि ठाम वैदेही, भारती आ गार्गी सन महान विभूति जन्म लेने अछि ओतहि किछु घरेलू महिला आइ पेशेवर रूप स गाम-घर क समाद देश-दुनिया तक पहुंचा रहल छथि। नहि त ओ किछु नुकबैत छथि आ नहि त ओ किछु बिसरैत छथि, जे बिहार चाहैत अछि कहब, ओ समाद ओ पहुंचबैत छथि। आइ इ’समाद स लोकक उम्‍मीद बढैत जा रहल अछि। इ’समाद कए निर्वाध रूप स चलब एतबा आसान नहि छल। एकर निर्वाधता हमर हाथ मे जरूर अछि, मुदा एकरा आओर बेहतर केनाई बिना अहांक सहयोग क संभव नहि अछि। चाही बस आशिर्वाद, देखैत रहूं इ’समाद।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
हाजिर बानी हम

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post

तबाही क 79 साल बाद

Esamaad Epaper Website

डाक विभाग क मुहर पर विद्यापति क चित्र

Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत मर्चेंट नेवी प्रशिक्षण संस्थान

Comments 2

  1. Maya Nand "Vipul Jha" says:
    10 years ago

    Dear Kumud Ji,
    Please provide the your email id. so i can send the “Yatra-Vritant” about Mithila Rang Mahotsav, Madhubani held on 01st May 2015 to 03rd May 2015.
    Your Faithfully,
    Maya Nand “Vipul Jha”

    Reply
    • samadiya says:
      10 years ago

      मायानंद जी अहाँक समाद पोस्ट भए गेल छल । एहि लिंक पर देखल जाउ
      http://www.esamaad.com/opinions/2015/05/13488-%E0%A4%AE%E0%A4%BF%E0%A4%A5%E0%A4%BF%E0%A4%B2%E0%A4%BE-%E0%A4%B0%E0%A4%82%E0%A4%97-%E0%A4%AE%E0%A4%B9%E0%A5%8B%E0%A4%A4%E0%A5%8D%E0%A4%B8%E0%A4%B5-%E0%A4%8F%E0%A4%95%E0%A4%9F%E0%A4%BE-%E0%A4%B8

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि