कुमुद सिंह
कोना बिसरब 9 नवंबर क तारीख। ओना त 14 जनवरी कए इ अखबार नेट पर आयल अछि, मुदा मुदा 9 नवंबर एहि अखबार लेल एकटा खास दिन अछि। 9 नवंबर 2009 स इ एकटा ब्लाग स स्वतंत्र साइट अर्थात डॉट कॉम बनि अहांक सामने अछि। दिल्ली क प्रेस क्लब मे भागलपुर क सासंद शाहनवाज हुसैन मैथिली क पहिल इपेपर कए लोकार्पित केलथि। वरिष्ठ पत्रकार शिवनाथ झा, संजय झा, मदन झा आ अमिताभ अग्निहोत्री क आशिर्वाद हमरा सब कए आगू बढबा मे सहायक भेल। मेंटर ग्रुप क तमाम सदस्य आ इसमाद परिवार क एक एकटा सदस्य आजुक दिन लेल बधाई क हकदार छथि। हिनके लोकनिक दधीचि प्रयास स पिछला पांच साल में इसमाद क लक्ष्य मे कोनो बदलाव नहि आयल अछि आ इ एखनो बिहारक विकास लेल लामबंदी करबाक अपन काज जारी राखने अछि। इसमाद पिछला पांच साल मे बिहारक विकास स जुडल कईटा समाद आन गोटे स पहिने अहां तक पहुंचेलक। जे समाचार कए अखबार क पन्ना मे जगह नहि भेटैत छल आ जेकरा लेल समाचार चैनल लग समय नहि छल, ओहन समाद कए हम प्रमुखता स अहां सबहक समझ रखलहुं। एक दिस जतए पैघ-पैघ औद्योगिक घराना सब मैथिली मीडिया मे कूदल आ सौ स दू सौ करोड तक क निवेश स मीडिया ब्रांड ठार केलक, ओहि ठाम इसमाद क निरंतरता आ कंटेंट हमर सामर्थ बनल। अल्प संसाधन आ पैघ लक्ष्य ल जखन इ शुरू केने रही त एकटा सपना देखने रही आ लोक कए सेहो सपना देखेबाक कोशिश केने रही जे एकरा निरंतर राखब आ एकर कंटेंट संग कोनो समझौता नहि करब। पिछला साल इसमाद क चीनी उद्योग पर आधारित रपट हिंदीक कारोबारी पत्रिका साभार छपलक। कोनो मैथिली अखबार लेल इ पहिल उदाहरण अछि। अपराध आ राजनीति कोनो समाजक एकटा अभिन्नि अंग अछि। ओकर बिना कोनो समाजक कल्पना करब बेमानी अछि। बिहार मे सेहो अपराध आ राजनीति समाचारक महत्पूर्ण हिस्सा अछि। मुदा बिहार मे समाचारक नाम पर केवल टूटल सडक, अपराध आ असभ्य समाज बिहार क नाम पर दुनियाक सामने परोसल जा रहल छल। बदलाव क आहट सब सुनि रहल छलथि, मुदा विश्वासक कमी सबहक कलम रोकि दैत छल। इ एकटा जुआ जेकां छल। एक टा सपना जेकां छल। आखिर भविष्य की होएत ओकर प्रमाणिता त समय क संग भेट सकैत अछि आ कोनो काज या योजना एक दिन मे जमीन पर नहि आबि सकैत अछि। इसमाद परिवार इ सपना देखलक आ सपना पर विश्वास केलक जे बिहार मे बदलाव भ रहल अछि। जेना जेना घोषणा जमीन पर उगैत गेल, इसमाद क विश्वसनीयता बढैत गेल। सबटा सपना सच नहि भेल मुदा सपना किछु एहनो रहल जे सच भ सामने अछि। आजुक अखबार स सरकारक पैघ स पैघ गलती ओहिना गायब अछि जेना पहिने सरकारक पैघ स पैघ उपलब्धि गायब छल। इसमाद समय समय पर सरकार क नीति क आलोचना करैत रहल अछि, जे आगू सेहो जारी रहत। मुदा सरकारक आलोचना क बीच ओ उपलब्धि कए नजर अंदाज नहि कैल जा सकैत अछि जे बिहारक समाज अर्जित क रहल अछि। कृषि क मोर्चा पर छोट सन मुदा दूरगामी सफलता बिहार कए एहि साल भेट रहल अछि। इ एकटा एहन क्षेत्र अछि जाहि मे एखनो एकर गति स बेसी एकर सक्रियता पर बहस हेबाक चाहि। आइ हम फेर इ दावा करबा लेल तैयार छी जे हम नहि किछु नुकबैत छी आ नहि किछु बिसरैत छी, जे बिहार कहैत अछि हमरा, समदिया बनि अहां तक पहुंचबैत छी। आशा नहि बल्कि विश्वास अछि जे हमरा सब कए जेना अहांक स्नेह भेटल ओ आगां सेहो जारी रहत। आंगा बढैत रहूं, इ’समाद पढैत रहू।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Bahut Neek Lagay y Jahan Apan Mait Pain S Dur Rahla k Bado Apan Gaam – Gharak Samad Apan Bhasa m Padhay Chi, Asha Karait Chi Je Ekar Nirantarta Banal Rahay………
Anha Sab k Bahut- Bahut Dhanyabaad
hm ehi e-paper ke editor kumud singh ke facebook pr follow karat chhi.. aa hunkr profile sy e-samad ky diye bhujlo.. bahut nik prayas aaha sbker.. Team e-samad