• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

विश्वसनीयता आ निरंतरता क पांच वर्ष

November 9, 2014
in संपादकीय
A A
1
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

 

Untitled-1 copy

कुमुद सिंह

कोना बिसरब 9 नवंबर क तारीख। ओना त 14 जनवरी कए इ अखबार नेट पर आयल अछि, मुदा मुदा 9 नवंबर एहि अखबार लेल एकटा खास दिन अछि। 9 नवंबर 2009 स इ एकटा ब्लाग स स्वतंत्र साइट अर्थात डॉट कॉम बनि अहांक सामने अछि। दिल्ली क प्रेस क्लब मे भागलपुर क सासंद शाहनवाज हुसैन मैथिली क पहिल इपेपर कए लोकार्पित केलथि। वरिष्ठ पत्रकार शिवनाथ झा, संजय झा, मदन झा आ अमिताभ अग्निहोत्री क आशिर्वाद हमरा सब कए आगू बढबा मे सहायक भेल। मेंटर ग्रुप क तमाम सदस्य‍ आ इसमाद परिवार क एक एकटा सदस्य आजुक दिन लेल बधाई क हकदार छथि। हिनके लोकनिक दधीचि प्रयास स पिछला पांच साल में इसमाद क लक्ष्य मे कोनो बदलाव नहि आयल अछि आ इ एखनो बिहारक विकास लेल लामबंदी करबाक अपन काज जारी राखने अछि। इसमाद पिछला पांच साल मे बिहारक विकास स जुडल कईटा समाद आन गोटे स पहिने अहां तक पहुंचेलक। जे समाचार कए अखबार क पन्ना मे जगह नहि भेटैत छल आ जेकरा लेल समाचार चैनल लग समय नहि छल, ओहन समाद कए हम प्रमुखता स अहां सबहक समझ रखलहुं। एक दिस जतए पैघ-पैघ औद्योगिक घराना सब मैथिली मीडिया मे कूदल आ सौ स दू सौ करोड तक क निवेश स मीडिया ब्रांड ठार केलक, ओहि ठाम इसमाद क निरंतरता आ कंटेंट हमर सामर्थ बनल। अल्प संसाधन आ पैघ लक्ष्य ल जखन इ शुरू केने रही त एकटा सपना देखने रही आ लोक कए सेहो सपना देखेबाक कोशिश केने रही जे एकरा निरंतर राखब आ एकर कंटेंट संग कोनो समझौता नहि करब। पिछला साल इसमाद क चीनी उद्योग पर आधारित रपट हिंदीक कारोबारी पत्रिका साभार छपलक। कोनो मैथिली अखबार लेल इ पहिल उदाहरण अछि। अपराध आ राजनीति कोनो समाजक एकटा अभिन्नि अंग अछि। ओकर बिना कोनो समाजक कल्पना करब बेमानी अछि। बिहार मे सेहो अपराध आ राजनीति समाचारक महत्पूर्ण हिस्सा  अछि। मुदा बिहार मे समाचारक नाम पर केवल टूटल सडक, अपराध आ असभ्य समाज बिहार क नाम पर दुनियाक सामने परोसल जा रहल छल। बदलाव क आहट सब सुनि रहल छलथि, मुदा विश्वासक कमी सबहक कलम रोकि दैत छल। इ एकटा जुआ जेकां छल। एक टा सपना जेकां छल। आखिर भविष्य की होएत ओकर प्रमाणिता त समय क संग भेट सकैत अछि आ कोनो काज या योजना एक दिन मे जमीन पर नहि आबि सकैत अछि। इसमाद परिवार इ सपना देखलक आ सपना पर विश्वास केलक जे बिहार मे बदलाव भ रहल अछि। जेना जेना घोषणा जमीन पर उगैत गेल, इसमाद क विश्वसनीयता बढैत गेल। सबटा सपना सच नहि भेल मुदा सपना किछु एहनो रहल जे सच भ सामने अछि। आजुक अखबार स सरकारक पैघ स पैघ गलती ओहिना गायब अछि जेना पहिने सरकारक पैघ स पैघ उपलब्धि गायब छल। इसमाद समय समय पर सरकार क नीति क आलोचना करैत रहल अछि, जे आगू सेहो जारी रहत। मुदा सरकारक आलोचना क बीच ओ उपलब्धि कए नजर अंदाज नहि कैल जा सकैत अछि जे बिहारक समाज अर्जित क रहल अछि। कृषि क मोर्चा पर छोट सन मुदा दूरगामी सफलता बिहार कए एहि साल भेट रहल अछि। इ एकटा एहन क्षेत्र अछि जाहि मे एखनो एकर गति स बेसी एकर सक्रियता पर बहस हेबाक चाहि। आइ हम फेर इ दावा करबा लेल तैयार छी जे हम नहि किछु नुकबैत छी आ नहि किछु बिसरैत छी, जे बिहार कहैत अछि हमरा, समदिया बनि अहां तक पहुंचबैत छी। आशा नहि बल्कि विश्वास अछि जे हमरा सब कए जेना अहांक स्नेह भेटल ओ आगां सेहो जारी रहत। आंगा बढैत रहूं,  इ’समाद पढैत रहू।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
Share1TweetPin

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

भाजपा लेल राजनीतिक रूप स महत्वहीन भेल ब्राह्मण आ मुसलमान

Esamaad Epaper Website

पहिल मैथिली लिटरेचर फेस्टीवल 12 स पटना मे

अहिंसा आ सूचिता स समाज मे आउत बराबरी : बिंदेश्वर पाठक

Comments 2

  1. Murari Kumar jha says:
    8 years ago

    Bahut Neek Lagay y Jahan Apan Mait Pain S Dur Rahla k Bado Apan Gaam – Gharak Samad Apan Bhasa m Padhay Chi, Asha Karait Chi Je Ekar Nirantarta Banal Rahay………
    Anha Sab k Bahut- Bahut Dhanyabaad

    Reply
  2. Saurav jha sethu says:
    8 years ago

    hm ehi e-paper ke editor kumud singh ke facebook pr follow karat chhi.. aa hunkr profile sy e-samad ky diye bhujlo.. bahut nik prayas aaha sbker.. Team e-samad

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि