• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

हाजिर छी हम एकटा नब क्‍लेवर एकटा नव फ्लेवर संग

November 9, 2019
in संपादकीय
A A

सुनील कुमार झा

मैथि‍ली पत्रकारिताक क्षेत्र मे आय एकटा नव अध्‍याय जुड़ि‍ गेल अछि। कोनो भी मैथि‍ली न्‍यूज पोर्टल कए लगातार 10 साल चलेबाक रिकार्ड इसमाद डॉट कॉम क भेटि गेल अछि। इ इतिहास ओहिना अछि जेना राम कए लंका पर चढ़ाई केनाय। हम लक्ष्‍य तक पहुंचबा लेल समुद्र पर सेतु बनेलहुं।

 

एहि दस सालक इतिहास मे हम सब कतेको बेर गिरलहूँ, कतेको बेर गिरायल गेलहूँ, मुदा हम सब हारि नहि मानलों। एहि बीच मैथि‍ली मे कतेको न्‍यूज पोर्टल आएल, बंद भेल, बदनाम भेल, मुदा हम सब पाठक क कसौटी पर अपना कए कसैत आंगा बढ़ैत गेलहूँ आ आय 10 साल बाद हम सब एकटा नब फल्‍वेर मे हाजिर छी। इसमाद एखन धरि अपन शोधपरक आलेख लेल जानल जाइत अछि, मुदा आब मैथिलीक बेहतरीन साहित्‍य अगर अपने लोकनि कए कतहु भेटत त ओ इसमाद होएत। इसमाद आय स अपन साहित्‍य पेज अपने सबहक सामने राखि रहल अछि। उम्‍मीद करैत छी मैथिली साहित्‍य मे इसमाद क योगदान उल्‍लेखनीय भ सकत।

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019

 

मैथि‍ली पत्रकारिता का इतिहास मे इसमाद पहिल एहन संस्‍था अछि जे अपन विविधता लेल जानल जाएत अछि ।

 

1) इसमाद मैथि‍लीक पहिल एहन पोर्टल अछि जेकर पूरा संपादकीय भार मिथि‍लानीक जिम्‍मे मे अछि।

2) पहिल कोनो मैथि‍ली पोर्टल अछि जेकरा पर विभि‍न्‍न विषय पर शोध-परक आलेख देल गेल अछि।

3) इसमाद पहिल मैथि‍ली पोर्टल अछि जेकर समाद, मैथि‍ली स हिन्‍दी आ अंग्रेजी मे अनुदित भए कए आन भाषा-भाषाई पोर्टल वा मैगजीन/न्‍यूजपेपर मे लागल अछि।

4) इसमाद मैथि‍ली क पहिल एहन पोर्टल अछि जेकर कोनो एकटा मैथि‍ली आलेख 11 हज़ार बेर शेयर कैल गेल अछि।

5) इसमाद एहन मैथि‍ली पोर्टल अछि जे विभिन्‍न क्षेत्र क 50 स बेस गोटेक साक्षात्‍कार नेने अछि।

6) इसमाद एहन मैथि‍ली पोर्टल अछि जेकर पाठक देश स बेसी विदेश मे अछि।

 

एतेक रास संपन्‍नताक बादो इसमाद कहियो कोनो अभि‍मान नहि केलक। हमरा कैक बेर कुचलबाक साजिश कैल गेल। कैक बेर इसमाद क साइट हैक करबाक कोशि‍श कैल गेल। हमरा सब पर गैर मैथि‍ल हेबाक ठप्‍पा लगाओल गेल। एकरा हिन्‍दी–मैथि‍लीक साइट सिद्ध करबाक कोशि‍श कैल गेल। पहिल ई-पेपर हेबाक तमगा सेहो छि‍नबाक प्रयास कैल गेल, मुदा हम सब डटल रहलहूँ।

 

आ आय हम सब हाजिर छी एकटा नब क्‍लेवर एकटा नव फ्लेवर संगे । इसमाद मैथि‍ली क पहिल एहन पोर्टल बनय जा रहल अछि…

1) जेकरा मे डार्क मोड रहत, यानि राति कए आराम स अहाँ खबर पढ़ि‍ सकैत छी।

2) जिनका कम देखा प‍ड़ैत अछि, तिनका लेल फांउट पैघ-छोट करबाक सुविधा रहत।

3) जेकर विशेष आलेख पढ़बाक शुल्‍क दिअ पड़त।

4) जाहि मे मैथि‍ली क मुद्धर्न्‍य लेखक क साहित्‍यि‍क आलेख रहत।

5) आन भाषा मे अनुवाद क सुविधा रहत।

मैथि‍ली लेल सेहो इ गर्वक विषय होएत। किएक त 10 साल तक कोनो गाछ मे पानि पटाकए ओकर पैघ करब बड्ड काज होएत अछि आ हम सब आब गाछ पैघ कए नेने छी। इ गाछ पैघ करबा मे कतेको गोटेक प्रत्‍यक्ष आ अप्रत्‍यक्ष योगदान रहल अछि। हम सबहक नाम त नहि गिना सकब, मुदा एतबा जरूर कहब जे इसामदक नींव ओ सब गोटे छलथि‍ आ हुनके बदौलत मैथि‍लीक टुस्‍सी चतरि कए बड़का लत्‍ती बनि गेल अछि।

 

(लेखक इसमादक शोध संपादक छथि)

 

Tags: esamaadmaithilimithila

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019

गुरु क प्रकाश स उदित भेल बुद्धक बिहार

January 7, 2017
Next Post
नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

कविता : मृदुला प्रधान क मोन के कहलियै..

कविता : मृदुला प्रधान क मोन के कहलियै..

कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि